9 महज तुसब होसियार रह, तोरासबके खाइ-पियैबला चिजसबके स्वतन्तरतासे बिस्बासमे कमजोरसबके लेल बाधाके कारन नै बने।
“होसियार रह, यि छोट बच्चासबमेसे ककरो तुसब निच नै समझ। कथिलेत हम तोरासबके कहैचियौ, उसबके देखभाल करैबला स्वरगदुतसब स्वरगमे रहैबला हमर पिताके अगामे रहैछै।
अपनासब बिस्बासमे बौकार भेल लोकसब आपने मातरे खुसी नै बल्की बिस्बासमे कमजोर भेल लोकसबके धिरजसाथ सहायता करैले परतौ।
कोइ आपन मातरे भलाइ नै, बरु दोसरके सेहो भलाइ खोजे।
महज कोनो लोक तोरा “यि त मुरतिके चरह्याल चिज चियौ” कहैछौ त, बताइबला लोकके खातिर आ बिबेकके लेल उ नै खो।
हमर कहैके मतलब तोहर बिबेकके लेल नै, महज उ बताबैबला लोकके बिबेकके लेल चियै। तुसब कहैले सकबिही, “दोसरके बिबेकके लेल आपन स्वतनरता कथिले जाँच करबै?
तुसब ककरो ठेस लागैबला काम नै कर, चाहे यहुदीके, चाहे गिरिकके या चाहे परमेस्वरके मन्डलीके हेबे।
यदि कोनो कमजोर बिस्बास भेल लोक तोरासब जखा ग्यान भेल लोकके मन्दिरमे मुरुतिके चरह्याल चिज खाइत देख्तौ त, ओकरा मुरुतिके चरह्याल चिज खाइले साहस मिल्तै महज ओकरा आपने मन दोख लगाइतै।
अहिनङके तुसब कमजोर बिस्बासीसबके बिरोधमे पाप करैचिही आ उसबके मनमे चोट पुगाके खिरिस्टके बिरोधमे पाप करैचिही।
हम कमजोर लोकसबके बिचमे काम करैबखत उसब खिरिस्टमे बिस्बास करे कैहके हम्हु कमजोर भेलियै। हम सबके लेल सबकुछ बैन गेलियै ताकि हरतरहसे लोकसबके खिरिस्टमे बचाबैले सकी।
हमरा ओइसबके जखा बेबहार करैले लाज हैये से बात हमर कमजोरी चियै कैहके सुइकारै चियै। महज कोनो लोक कुछ बातमे घमन्ड करैछै त, हम्हु ओइ बातमे घमन्ड करैचियै। हँ हम मुरुख जखा बोइलरहल चियै।
कोइ कमजोर छै त हम्हु कमजोर भेल महसुस करैचियै। जब कोइ पापमे फस्याल जाइछै त हमरा एकदमसे रिस उठैछै।
हमरासबके करल सेबकाइमे कोइ दोस लगाबैके मौके नै पाबे कैहके हमसब ककरो बाधा दैबला काम नै करैचियै।
भाइ-भैयासब, तुसब स्वतन्तर हैले बोल्याल गेलचिही। यि स्वतन्तरताके आपन पाप स्वभाबके इक्छा पुरा करैले परयोग नै कर। बरु परेमसे एक दोसरके भलाइ कर।
होसियार रह, कोइ नै तोरासबके दरसन सास्तर या लोकसबके छल कपटसे बातमे फसाबे। एहेन बातसब खिरिस्टसे नै महज लोकसबके परम्परा आ सन्सारके सिक्छासे एलछै।
तुसब स्वतन्तर लोक जखा जिबन बिता। आपन स्वतन्तरताके खराब काम करैके लेल बहना नै बना, महज परमेस्वरके दास भ्याके असल काम कर।
ओइसबके स्वतन्तर कराबैके परतिग्या करैछै महज उसब आपने भरस्टताके दास चियै, कथिलेकी लोक जे चिजके बसमे पैर जाइछै, उसब ओहै चिजके दास बैन जाइछै।
महज तोरासबके बिरोधमे हमरसङे कुछ बातसब छै, कथिलेकी तोरासबमेसे कोइ कोइ एहेनछै, जे बालामके सिक्छा मानैछै। मुरुतिके चरहाल चिज आ बेबिचार कैरके इजराएली लोकसबके पापमे फसाइके लेल बालाम बालक रजाके सिखाइने छेलै।