8 महज खाइबला चिजसबसे अपनासबके परमेस्वरके नजदिक नै पुगाबैछै। हमसब नहियोखेबै त कोनो नोक्सानी नै हेतै आ खेबो करबै त कोनो फैदो नै हेतै।
धनिक लोक ओइसबको खुबि अनुसार एकटा नोकरके पाँचटा, दोसरके दुइटा आ तेसरके एकटा सोनाके डलर जिमा द्याके उ परदेस चैलगेलै।
कथिलेत परमेस्वरके राज खाइ-पियैबला चिज नै, महज पबितर आत्मासे आबैबला धारमिकता, सान्ती आ आनन्द चियै।
कोइ कहैछै, “भोजन पेटके लेल आ पेट भोजनके लेल चियै।” महज परमेस्वर दुनुके नास करतै। लोकके देह बेबिचारके लेल नै, महज परभुके लेल चियै आ देहके लेल आबस्यक चिज परभुवे बन्दोबस करैछै।
अनेक किसिमके अचमके सिक्छाके भरममे नै पर। खाइ पियैबला नियमसे नै महज परमेस्वरके अनुगरहसे हिरदय बौकार भेल असल चियै। ओहेन बिधी पालन कैरके ककरो उपकार नै भेलछै।