2 यदि कोनो लोक “हम जानैचियै” कहैछै त, बास्तममे उ जतेक जानैके चाही, उ जान्ने नै रहैछै।
हे हमर भाइ-भैयासब, हम तोरासबके एकटा रहसके बात थाह हेबे कैहके चाहैचियौ। उ बात तोरासबके थाह हेतौ त तुसब आपनेके बुधिमान ठाइनके घमन्ड नै करबिही। उ रहसके बात यि चियै कि, खिरिस्टमे आबैबला गैर-यहुदीसब बिस्बास नै करैतक बहुतो इजराएलीसबके हिरदय कठोर हेतै।
अखुन हमसब ऐनामे धोनराह देखैचियै, महज ओइ बखतमे साफ-साफ देख्बै। अखुन हम कमे बुझैचियै महज ओइ बखत परमेस्वर हमर बारेमे सब बात जानल जखा, हम्हु सब बात जान्बै।
कोइ आपनेके धोखा नै देबे। यदि कोइ अइ सन्सारके हिसाबसे आपनेके बुधिमान ठानैछै त, उ साँचेके बुधिमान हैले आपनेके मुरुख बनाबे।
यदि कोनो मोलके नै भेल्हा लोक आपनके बरका ठानैछैत, उ आपनेके धोखा दैछै।