31 जेसब सन्सारके चिज-बिज उपभोग करैछै उसब तैके कोनो वस्ते नै करल जखा करे, कथिलेत अइ सन्सारके चिजसब नास भ्यारहल छै।
“तुसब आपनमे होसियार रह, बेसी भोज-भतेरके पछा नै जो, मतबालीपना आ जिन्गीके बारेमे चिन्ता करैसे होसियार रह, नै त उ दिन नै सोचलहा बखतमे चैलएतौ।
हे हमर भाइ-भैयासब, हमर कहैके मतलब यि चियै कि, समय एकदम कम छै। आबसे घरबाली हैबलासब घरबाली नै भेलसब जखा रहे।
जेसब सोक करैछै उसब सोक नै करल जखा रहे आ खुसी हैबलासब खुसी नै भेल जखा हेबे। बेच-बिखन करैबलासब आपनसङे किछो नै भेल जखा रहे।
आब हमर इनाम कि चियै त? हक अनुसार पाबैबला कोनो पैसा नै ल्याके फोकटमे सुसमाचार परचार कैरके पाबैबला आनन्दे हमर इनाम चियै।
“औरो एकबेर” कहल बात यि देखाबैछै कि हिलाबैले सकैबला अरथात सिरिस्टी करल चिजसब हटाइतै, महज हिलाबैले नै सकैबला चिजसब अस्थिर रहतै।
बिहानके कथी हेतै, तुसब किछो नै जानैचिही। तोहर जिन्गी कथी चियौ? तोरासबके जिन्गी त कुछ समय देखा परैबला आ बिल्या जाइबला बाँफ जखा त चियौ।
कथिलेत पबितर धरमसास्तरमे लिखल छै, “सब मानब जाती घास जखाछै आ ओकर सुन्दरता घासेके फुल जखा हैछै। घास सुइख जाइछै आ फुल झैर जाइछै,
सब चिजके अन्त हैके समय चैल एलछै। ओहैसे तुसब आपन मनके सुध आ आपनेके बसमे राख ताकी तुसब असलसे परथना करे सक।
सन्सार आ सन्सारके कुइक्छासब ओर्या जाइछै, महज परमेस्वरके इक्छामे चलैबला लोक सबदिन जिबित रहतै।