27 यदि तोरा घरबाली छौ त, आपन घरबालीसे अलग हैले नै खोज। यदि तोरा घरबाली नै छौ त, बियाह करैले नै चाह।
परमेस्वर तोरासबके बोलाबै बखत जे जनङ छेल्ही, उ ओह्या अबस्थामे रहे।
हम अखुन्का दुखके बिचार करैचियै त, जे जहिनङ अबस्थामे छै, उ तहिनङे अबस्थामे रहतै त निक हेतै।
यदि तु बियाह करबो करबिही त उ पाप नै चियै। तहिनङे यदि कुमाइर छौरी बियाह करतै त उ पाप नै करैछै। तैयो बियाह करैबलासबके अइ सन्सारमे झनझट हैछै आ हम तोरासबके अइसे बचाइले चाहैचियौ।