20 परमेस्वर तोरासबके बोलाबै बखत जे जनङ छेल्ही, उ ओह्या अबस्थामे रहे।
चाहे जे हेबे, परभु जकरा जनङके खटाइनेछौ आ जे बरदान देनेछौ, उ तहिनङके जिबन बिताबे। सब मन्डलीसबके लेल हमर नियम एह्या चियै।
यदि तोरा घरबाली छौ त, आपन घरबालीसे अलग हैले नै खोज। यदि तोरा घरबाली नै छौ त, बियाह करैले नै चाह।
हमसब तोरासबके कहने छेलियौ तहै बमौजी सान्तीमे जिबन बिताबैके लक्छ राख, आपन आपन काममे लागल रह आ आपने हाथसे कमाइले बेसी से बेसी कोसिस कर।
हमसब एहेन लोकसबके परभु येसु खिरिस्टके नाममे आग्या आ अरती दैचियै कि उसब चुपचाप काम करे आ आपन कमाइ खाए।