17 चाहे जे हेबे, परभु जकरा जनङके खटाइनेछौ आ जे बरदान देनेछौ, उ तहिनङके जिबन बिताबे। सब मन्डलीसबके लेल हमर नियम एह्या चियै।
बियाह नै करैबला बहुतो कारनसब छै, कथिलेत कोइ जलमेसे नपुन्सक हैछै, ककरो औरो लोक नपुन्सक बन्या दैछै आ कोइ आपने-आप स्वरगके राजके लेल नपुन्सक भ्याजाइछै। जेसब यि सबबातके सुइकार करे सकैछै, से कोइ सुइकार करे।”
तुसब ककरो ठेस लागैबला काम नै कर, चाहे यहुदीके, चाहे गिरिकके या चाहे परमेस्वरके मन्डलीके हेबे।
यदि कोइ अकर बारेमे बिबाद करैले चाहैछै त, हमरासबसङे यि बाहेक कोनो चलन नै छै, नै त परमेस्वरके मन्डलीसबमे छै।
यदि कोइ भुख्याल चिही त, उ आपन घरमे खेबे। ताकि तुसब एकसाथ भेला हेब्ही त दोसी नै ठहरबिही। औरो बातके बारेमे हम तोरासबलग एबौ त आदेस देबौ।
कथिलेत परमेस्वर गोलमालके परमेस्वर नै चियै, महज सान्तीके परमेस्वर चियै। जनङ सब मन्डलीमे भेल्हा सन्तसबके तौरतरिका अनुसार परमेस्वरके बिस्बासीसबमे छै।
यरुसलेममे रहल परमेस्वरके जनसबके लेल भेटी जम्मा करैके बिसयमे हम गलातियाके मन्डलीसबके जे कहने छेलियौ तहिनङे तुहुसब कर।
अहैसे हम तोरासबलग तिमोथीके पठाबैचियै। उ परभुमे हमर पिरिय आ बिस्बासयोग्य बेटा चियै। हम सबठाम आ मन्डलीमे सिख्याल अनुसार खिरिस्ट येसुमे हमर जिबन केहन छेलै, से बात उ तोरासबके बतेतौ।
यदि कोनो लोक बिस्बास करैसे पहिने ओकर खतना भेल छै त, आब उ खतनाके चेन्हा मेटाइले नै चाहे। तहिनङे कोनो लोक बिस्बास करैसे पहिने ओकर खतना नै भेल छै त, आब उ खतना करैले नै चाहे।
हे हमर पिरिय भाइ-भैयासब, परमेस्वर जकरा जनङ अबस्थामे बोलाइनेछौ, उ तहिनङे अबस्थामे परमेस्वरसङे रहे।
सबलोक हमरे जखा बियाह नै कैरके रहे से हमर इक्छाछै। महज कोनो लोक परमेस्वरसे बियाह करैबला बरदान पाबने छै त कोनो लोक नै करैबला।
ओतबे नै, सब मन्डलीसबके चिन्ता फिकरीके बोझ हमरमे छै।
हमसब तितससङे एकटा भाइके पठाबैचियौ, जकर नाम सुसमाचार परचारके काममे सब मन्डलीके बिचमे चललछै।
तै बखत तक यहुदिया परदेसमे भेल मन्डलीके भाइ-भैयासब कोइने हमरा देख्ने छेलै।
यि बात हमरासबके थाहछै भाइ-भैयासब कथिलेकी तोरासबके जे समस्या भेलौ उ समस्या यहुदियामे रहल परमेस्वरके मन्डली अरथात खिरिस्ट येसुमे बिस्बास करैबला लोकसबके भेलै। उसब आपन जाती यहुदीसे जनङ सताबट पाबल्कै तहिने तुहुसब आपने जातीके लोकसबसे सताबट पाबनेचिही।
अहै खातिर सब परकारके सताबट आ कस्ट सैहरहल साहस देखके अस्थिर आ बिस्बासके बारेमे मन्डलीके बिचमे हमसब गौरब करैचियै।