7 एक दोसरके बिरोधमे झगरा करनाइ तोरासबके हार चियौ। बरु अनियाइ कथिले नै सहबै? कथिले नै आपने ठगल जेबै?
जक्कैया परभुके अगा ठार भ्याके कहल्कै, “देखु, परभु हम आब आपन सब धन-सम्पतीके अधा हिस्सा गरिबसबके बाइट देबै आ ककरोसे ठैक फुस्याके कुछो लेने हेबै त हम ओकर चौबर फिरता कैरदेबै।”
कोइ तोहर एकटा गालमे थपराइछौ त दोसरो गाल रोइकदहै। कोइ तोहर धोती आ कुरता लेजाइ बलाके पगरियो दया दहै।
तुसब ककरो खराबीके बदला खराबी नै कर, महज एक-दोसरके आ सके जतहेक सब लोकसबके भलाइ करैके कोसिस कर।
खराबीके बदला खराबी या अपमानके बदला अपमान नै कर। बरु खराबीके बदला आसिस दहै, कथिलेकी यह्या करैके लेल परमेस्वर तोरासबके बोलाइनेछौ आ तुहुसब आसिस पाबबिही।