17 महज जे लोक परभुसङे एक हैछै, उ लोक ओकरसङे आत्मामे एक हैछै।
लोक त खाली देहमे जलम दैछै महज पबितर आत्मा आत्मिक जलम दैछै।
यदि साँचोके परमेस्वरके आत्मा तोरासबमे बास करैछौ त, तुसब पाप स्वभाबके अधिनमे नै, महज पबितर आत्माके अधिनमे रहैचिही। यदि कोनो लोकमे खिरिस्टके आत्मा नै छै त, उ खिरिस्टके लोक हेबे नै करतै।
हमसब चाहे यहुदी हेबे, चाहे गिरिक, चाहे दास हेबे, चाहे स्वतन्तर, सबकोइ एके पबितर आत्मासे बप्तिस्मा पाबनेचियै आ एके देह भेलचियै। तब अपनासबके एके पबितर आत्मा देनेछै।
तोरासबके देह खिरिस्टके अङ्गसब चियौ कैहके कि तोरासबके थाह नै छौ? कि हम खिरिस्टके अङ्गसब ल्याके बेस्यासबके अङ्ग बनाइबै? एहेन कहियो नै हेबे!
हमर पहिन्का स्वभाब खिरिस्टेसङे कुरूसमे मरल छै। आबसे हम नै महज खिरिस्ट हमरमे जियैछै। जे जिबन अखन हम सरिरमे जियैचियै से परमेस्वरके बेटामे बिस्बास कैरके जियैचियै कथिलेत उ हमरा परेम करल्कै आ हमर खातिर उ बलिदान भेलै।
कथिलेत अपनासब ओकर देहके अङसब चियै।
तोरासबमे एहेन मन हेबे, जे खिरिस्ट येसुमे छेलै।