9 हम तोरासबके बेबिचार करैबला लोकसबके सङहत नै कर कैहके चिठीमे लिखने छेलियौ।
ओकर मतलब तुसब बेबिचार करैबला, लोभ करैबला, लुटपाट करैबला या मुरतिपुजा करैबलासबसे बिलकुले सङहत नै कर कैहके नै कहलियौ, नै त तोरासबके सन्सारे छोइरके जाइले परतौ।
तैयो तुसब घमन्ड करैचिही! तोरासबके त बरु सोक करे परतियौ आ एहेन काम करैबलाके तोरासबके बिचसे निकालैले परतियौ।
तोरासबके बिचसे पुरन्का खमिर हटा, तब तुसब खमिर बिनाके सुध अँटा हेब्ही। कथिलेत अपनासबके निस्तार पाबैनके थुमा, खिरिस्ट बली भ्याचुकल छै।
येसुमे बिस्बास नै करैबलासबसङे एकसाथ एकेटा जुवामे नै जोता। कथिलेकी धरमी आ अधरमी कनङके मिल्तै? इजोत आ अन्हार एक ठाम कनङके रहे सक्तै?
ओकरासबसे निकैलके या आ ओइसबसे अलग रह! कोनो असुध चिज नै छु, तब हम तोरासबके सुइकार करबौ कैहके परमपरभु कहैछै।
अन्हारमे काम नै लागैबला कामसबमे सहभागी नै हो। बरु उ काम खराब छै कैहके देख्यादहै।
तोरासबमेसे कोइगोरा हमसब यि चिठीमे लिखल आग्या नै मानैछौ त ओकरा डिठीयाइने रह। ओकरसङे सङहत नै राख ताकि उ लाजमे परे।
भाइसब, अपनासबके परभु येसु खिरिस्टके नाउमे हमसब तोरासबके यि आग्या करैचियौ कि, जे बिस्बासी लोकसब हमरासबके देल सिक्छा अनुसार नै चलैछै आ कोढिया छै ओकरासबके सङहतसे दुरे रह।