3 हम तोरासबके बिचमे नै चियौ, तैयो आत्मामे हम तोरेसबसङे चियौ। हम तोरासबसङे भेल जखा एहेन काम करैबलाके नियाइ कैरसक्ने चियै।
कथिलेत मन्डली बाहरके लोकसबके नियाइ करनाइ हमर काम नै चियै। महज मन्डली भितरके लोकसबके नियाइ करैबला काम तोरासबके करैले नै परतौ से?
हम पावल, तोरासबके सामने डरपोक चियै, महज दुर रहैबेर हम तोरासब परती साहसी हैचियै कैहके तोरासबके बिचमे हल्ला चललछै कहाने। खिरिस्टके नम्रता आ दयासे हम तोरासबके बिन्ती करैचियौ कि,
ओहेन लोकसब यि बात बुझे कि, हमसब दुर रैहके चिठीमे जे लिखके पठाबैचियै, तोरासबके बिचमे हैतकाल ओह्या काम करैचियै।
दोसर बेर तोरासबके बिचमे हैतकाल हम तोरासबके चेताबनी देल जखा आब तोरासबके बिचमे नहियो चियै तैयो चेताबनी दैचियौ। हम फेर एबौ त पहिने पाप करलाहासबके आ औरो ककरो नै छोरबौ।
कथिलेत हम देहमे तोरासबसे दुर चियौ तैयो आत्मामे त तोरेसबसङे चियौ। खिरिस्टमे तोरासबके बिस्बास एकदम अस्थिर भेल देखके हम बहुत खुसी भेलचियौ।
देख भाइसब, हमसब कुछ समयके लेल तोरासबसे जरुर दुर हैले परलै, महज हमरासबके मन त तोरासबसङे रहौ। तोरासबके सामनेसे देखेके बहौत इक्छा भेलाके कारन तोरासबलग जाइले बहौत कोसिस करलियौ।