16 तैखातिर हम तोरासबके बिन्ती करैचियौ कि, तुसब हमर देखासेखी कर।
जहिनङ हम खिरिस्टके देखासेखी करैचियै तहिनङ तुसब सेहो हमर देखासेखी कर।
हे भाइ-भैयासब तुसब हमर देखासेखी कर। हमसब तोरासबके लेल असल नमुना बनलियौ। आब ओहै नमुना अनुसार चलैबला लोकसबके पछा लाग।
तुसब जे बात हमरसे सिखलिही, गरहन करलिही, सुनलिही आ हमरमे देखलिही, ओहिनङे कर तब सान्तीके परमेस्वर तोरासबसङे रहतौ।
तुसब हमरासबके आ परभुके देखासेखी करलिही, कथिलेकी सताबटमे सेहो तुसब पबितर आत्मासे देल सुसमाचार खुसिसे गरहन करलिही।
सहायता पाबैके हक नै चियै से बात नै, बल्की तोरासबके लेल एकटा सिख हेबे कैहके हमसब ओनङ करलियै।
तोरासबके सुरुमे परमेस्वरके बचन सिखाइबला अगुवासबके नै बिसर। ओकरासबके जिबनमे एल असल परिनामके बिचार कर आ परमेस्वरमे ओकरासबके जखा भरोसा कर।
तोरासबके जिम्मामे देल बिस्बासीसब उपर हुकुम नै चला महज ओइसबके लेल एकटा उदाहरन बन।