4 तोरासबमेसे कोइ “हम पावलके” आ कोइ “हम अपोल्लोसके” चियै कहैचिही त, कि तुसब सन्सारके लोकसब जखा नै भेल्ही से?
हमर कहैके मतलब यि चियै कि, तोरासबमेसे कोइ “हम पावलके” कोइ “हम अपोल्लोसके” त कोइ “हम पतरुसके” त कोइ “हम खिरिस्टके” चियै कैहके सुनैचियौ।
कथिलेत तुसब अखुन्तो सन्सारके लोकसब जखा जिबन बिताबैचिही। यदि तोरासबके बिचमे डाह आ झगरा छौ त, कि तुसब सन्सारके औरो लोकसब जखा बेबहार नै करैचिही से?
हे हमर भाइ-भैयासब, तोरासबके भलाइके लेल हम आपने आ अपोल्लोसके उदाहरन द्याके यि सब बातसब लिख्नेचियौ, ताकि तुसब पबितर धरमसास्तर अनुसार जियैले सिख आ तुसब एक गोरेके पक्छ ल्याके दोसरके बिरोध कैरके घमन्डी नै हो।
हे हमर पिरिय भाइ-भैयासब, हमर करल सुसमाचार परचार, लोकसे नै एलछै से बात बुझ कैहके चाहैचियौ।