11 कथिलेत परमेस्वर जे जग बनाइनेछै उ जग येसु खिरिस्ट चियै, उ जग बाहेक कोइ नै दोसर जग बनाइले सक्तै।
आब हम तोरा कहैचियौ, हम तोहर नाम पतरुस राखैचियौ। हम एह्या चटानमे आपन मन्डली स्थापना करबै आ नरकके सक्तिसब ओइमे बिजय नै हेबे सक्तै।
परमेस्वरके देल अनुगरहसे हम एकटा घर बनाइबला सिपालु मिसतिरी जखा जग खरा करलियै आ दोसर कोइ तैमे घर बनाबैछै। तैमे घर बनाइबला हरेक लोक कनङके बनाबैछै से निकसे धियान देबे।
कोनो लोक ओइ जगमे सोना, चानी, बहुमुल्य पथल, काठ, खर या लार-पुवारसे घर बनाबैले सकैछै,
परेरित आ अगमबक्तासबके खुनल जगमे बनल घर तुसब चिही। यि जगके मुल खम्हा येसु खिरिस्ट आपने चियै।
महज तैयो परमेस्वरके आपनेसे बनेल्हा जग सबदिन अटल छै। ओइ जगमे एहेन लिखल छै: “परभु आपन लोकसबके चिन्हैछै” आ “परभुके नाम लैबला सब गोरा खराब कामसे दुर रहे परतै।”
तुसब परभुके लगमे या, जे परमेस्वरके जिबित पथल चियै, जकरा लोकसब छाइटदेनेछेलै महज उ परमेस्वरके दिरिस्टीमे छानल गेल आ बहुमुल्यके चियै।