10 परमेस्वरके देल अनुगरहसे हम एकटा घर बनाइबला सिपालु मिसतिरी जखा जग खरा करलियै आ दोसर कोइ तैमे घर बनाबैछै। तैमे घर बनाइबला हरेक लोक कनङके बनाबैछै से निकसे धियान देबे।
“के एहेन बिस्बास जोग्य आ बुधिमान नोकर चियै जेकर मालिक आपन घरके औरो नोकरसबके मुखिया बनेतै जे उ ठिकसे रेखदेख कैरके ओइसबके समयमे खान-पिनके बेबस्था करतै?
“तै खातिर जे हमर बचन सुनैछै आ पालन करैछै, उ एकटा बुधिमान लोक जखा हैछै जे आपन घर चटानमे बनेल्कै।
अइ खातिर होसियार रह, तोहर सङे भेल्हा इजोत अन्हार नै हेबे।
येसु कहल्कै, “होसियार रह, तोरासबके कोइयो नै बहकाबे। ‘समय नजदिक चैल एलछै’ आ हमर नाममे बहुत लोकसब ‘हम्ही खिरिस्ट चियै’ कहतौ, महज ओकरौरके पछा तुसब नै जैहे।
तकरबाद अपोलस अखैया इलाकामे जाइके बिचार करल्कै। एफिससमे रहल परभुके बिस्बासीसब ओकरा जाइले उत्साह देल्कै तब अपोलसके स्वागत करिहे कैहके ओते रहैबला चेलासबके एकटा चिठी लिखके पठाइल्कै। अखैया पुगलाके बाद अपोलस ओते परभुके अनुगरहके कारन बिस्बास करैबलासबके बहौत सहायता करल्कै।
अपनासबके परभु येसु खिरिस्ट दुवारा परमेस्वर अपनासबके अनुगरह कैरके परेरित बनेल्कै। सब जातीके लोकसब बिस्बास करे आ ओकर कहल बात माने कैहके हमरा ओकर नाउमे पठाइनेछै।
परमेस्वरके देल अनुगरहसे हम तोरासबके चेताबनी दैचियौ कि, तुसब आपनके बरका नै समझ महज परमेस्वरके देल बिस्बासके नाप अनुसार तुसब जहिनङ चिही तहिनङे सोच।
तैयो हम तोरासबके कुछ बात याद कराबैके लेल साहस कैरके यि चिठी लिखैचियौ। कथिलेत परमेस्वर हमरा अनुगरह करने छै,
दोसर कोइके सुरु करल जगमे घर बनाबैबला जखा हम नै चियै महज खिरिस्टके बारेमे कहियो नै सुनल ठाममे सुसमाचार परचार करनाइ हमर उतकट इक्छाछै।
कथिलेत परमेस्वर जे जग बनाइनेछै उ जग येसु खिरिस्ट चियै, उ जग बाहेक कोइ नै दोसर जग बनाइले सक्तै।
हम औरो लोकसबके लेल परेरित नै चियै तैयो कमसेकम तोरासबके लेल त चियौ। कथिलेत हम परभुके एक परेरित चियै कैहके तुहेसब हमर गबाही चिही।
हमसब सिमा नाइङहके दोसरके मेहनतमे घमन्ड नै करैचियै, महज हमरासबके आसा यि छै कि तोरासबके बिस्बास बढते जाइबखत तोरासबके बिचमे हमरासबके कामके सिमा औरो बेसिसे फैलते जाए।
परेरित आ अगमबक्तासबके खुनल जगमे बनल घर तुसब चिही। यि जगके मुल खम्हा येसु खिरिस्ट आपने चियै।
खिरिस्टके महान सक्तीमे भर पैरके यि काम हम एकदम मेहनतसे करैचियै।
“परभुके जिमा देल काम पुरा कर” कैहके अरखिपसके कैहदहै।
आ तिमोथीके तोरासबलग पठेलियौ। उ हमरासबके भाइ आ परमेस्वरके सेबक चियै आ खिरिस्टके बारेमे सुसमाचार परचार करैछै। तोरासबके बिस्बासमे बलगर हैले आ हौसला दैकेलेल हमसब तोरासबलग ओकरा पठेलियौ।
तु आपन जिबन आ आपन देल सिक्छाके बारेमे होसियार रह। यि सब करलासे तु आपन जिबन आ तोहर सिक्छा सुनैबलासबके जिबन बचेब्ही।
सरममे नै परैबला आ सतके बचनके ठिकसे चलाबैबला कामदार जखा आपनेके परमेस्वरमे गरहन हैकेलेल एकदमसे कोसिस कर।
हे हमर भाइ-भैयासब, तोरासबमेसे बहौत गोरा मन्डलीमे बचन सिखाइबला हैले नै खोज, कथिलेकी सिक्छा दैबलाके नियाय दोसर लोकसे बेसी कठोरसे हेतै से तुसब जानैचिही।
जे बोलैबला बरदान पाबनेछै से परमेस्वरके बचनसे बोले। जे सेबा करैछै से परमेस्वरके देल सक्तिसे सेबा करे ताकी सब कामसे येसु खिरिस्ट दुवारा परमेस्वरके परसन्सा हेबे। ओकर महिमा आ सक्ती सबदिन रहे। आमेन।
परभु लोकसबके पापसबसे मुक्ती पाबे कैहके मौका दैले चाहैछै, ओहैसे उ कतहेक धिरजी चियै कैहके धियान दहै। अपनासबके पिरिय भाइ पावल सेहो परमेस्वरसे पाबने बुइधसे एह्या बातसब तोरासबके लिखने छेलौ।
ओइ सहरके देबालके बारहटा जग छेलै आ ओइमे थुमाके बारह परेरितसबके नाम लिखल छेलै।
दबालके जगसबमे बहुत किसिमके बहुमुल्य रत्नसबसे सजाल रहै। पहिन्का जग चमकदार बिलौर, दोसर नीरमनी, तेसर हरित मनी, चारम पन्ना,