6 तैयो परिपक भेल बिस्बासीसबके बिचमे अपनासब ग्यान-गुनके बात करैचियै, महज अइ जुगके ग्यान या अइ जुगके सासकसबके ग्यान नै, जे बितके जेतै।
काँटके झारमे परल बिचहन उ लोक जखा चियै, जे बचन सुनैछै, महज सन्सारके चिन्ता आ धन-सम्पतीके मोह-मायासे बचनके दाइब दैछै। उ बचन ओकर जिबनमे कोनो परकारके फल नै फराबैछै।
येसु ओकरा कहल्कै, “यदि तु साँचेके असल हैले चाहैचिही त, तोहरसङे भेल सब धन-सम्पती बेचके गरिबसबके बाइट दहै तब तोरा स्वरगमे धन मिल्तौ। तब आइबके हमर पछा लाग।”
जनङ स्वरगमे रहैबला तोरासबके पिता सिध छौ, तोरोसबके ओहिनङे सिध हेबे परतौ।”
“यि बात थाह पाइबके ओकर मालिक ओइ बैमान मुन्सीके चाबसी देल्कै कथिलेत उ चलाकिसे काम करने रहै। कथिलेकी दुनियाके लोक आपनसङे औरो लोकसबसे बेबहार करैतखिना इजोतके धियापुतासे बेसी चलाक छै।
अइ सन्सारमे आपनके महान ठानैबलासबके बेरथ बनाबैके लेल परमेस्वर निच आ तुच्छ ठहरल लोकसबके चुनल्कै,
ककरो पबितर आत्मासे बुधिके बात बोलैबला, ककरो ओह्या पबितर आत्मा ग्यानके बात बोलैबला बरदान दैछै।
हे हमर भाइ-भैयासब, तुसब सोच-बिचारमे बचा जखा नै महज परिपक्क लोक जखा बन। खराब बातमे ठिक-बेठिक छुटयाबैले नै सकैबला बचा जखा हो।
हे हमर भाइ-भैयासब, हम तोरासबके लग परमेस्वरके बारेमे गबाही दैले आबैतखिना बरका-बरका बातसब आ बुइधके धाख नै देखेलियौ।
जे बात हमसब परचार करैचियै, उ बातसब कोनो लोकके बुइधसे सिखेल्हा बातसब नै, महज पबितर आत्मासे सिख्याल बात बोलैचियै आ पबितर आत्मा पाबलहा लोकसबके आत्मिक सतके बातसबके अरथ खोइलदैचियै।
अइ जुगके कोनो सासकसब परमेस्वरके बातके बुझैले नै सकल्कै। यदि उसब बुझने रहतियै त महिमाके परभुके कुरूसमे नै टाङतियै।
हे हमर भाइ-भैयासब, हम तोरासबसङे बोलैतखिना आत्मिक लोकसबसङे बाजल जखा बाजैले नै सकलियौ महज सन्सारके लोकसबसङे बाजल जखा बाजल छेलियौ। खिरिस्टमे भरखर बिस्बास करल छोट बचासबसङे बाजल जखा बोललियै।
अइ बातमे हमसब गर्भ करैचियै आ हमरासबके बिबेक सेहो साक्छी दैछै कि, अइ सन्सारमे बिसेस कैरके ओइसबसङे समबन्धमे हमसब इमान्दार आ परमेस्वरमे पबितर जिबन बितेलियै। यि हमसब सन्सारके ग्यानसे नै महज परमेस्वरके अनुगरहसे पाबनेचियै।
अन्तमे हमर पिरिय भाइ-भैयासब, आब हम बिदा हैत बेर, तोरासबके यि कहैले चाहैचियौ, कि जीजानसे सिध हैले कोसिस कर। हमर बिन्ती सुन, एक-दोसरके बात सुन आ सान्तीमे रह। सान्ती आ परेम दैबला परमेस्वर तोरासबसङे रहे।
यदि हमरासबके करल सुसमाचार परचार झापल छै त, उ ओइसबके लेल झापल छै, जेसब नास हैले ज्यारहलछै।
सैतान, जे अइ सन्सारके देबता चियै से महिमीत सुसमाचारके इजोतके नै देखे कैहके खिरिस्टमे बिस्बास नै करैबला लोकसबके बुझैबला सक्तीके आन्हर बन्यादेनेछै।
ओइ बखत तुसब सन्सारके पापी लोकसब जखा चलैछेल्ही आ अकासके सक्तीके मालिक, सैतानके मानैछेल्ही। जे परमेस्वरके नै मानैबला लोकसबके अखुन आपन बसमे राखनेछै।
तैखातिर हमसब ग्यानमे सबलोकके चेताबनी आ सिक्छा दैत खिरिस्टके बारेमे परचार करैचियौ ताकी सबलोकके खिरिस्टमे परिपक बन्याके परमेस्वरके अगा लाबैले सकी।
तोरासबके एकटा भाइ, खिरिस्ट येसुके दास इपाफरास सेहो गोरलगी पठाइनेछौ। उ तोरासबके खातिर हरदम जोरतोरसे परथनामे सम्झैत रहैछौ ताकी तुसब बलगर हो आ परमेस्वरके सब इक्छा पुरा रुपसे मानैले सक।
ठोस भोजन खाइबला परिपक्क लोक रहैछै। उसब दिमागके निरन्तर अभ्यास दुवारा असल आ खराब छुटियाबे सकैबला भेल रहैछै।
ओहैसे खिरिस्टके बारेमे सुरुमे सिख्याल सिक्छासब छोइरके अपनासब परिपक सिक्छा दिसन बरहु। अपनासब मिरतुमे लजाइबला कामसबसे पस्चाताप आ परमेस्वरमे बिस्बास करैबला बात फेनसे नै कर।
एहेन बुइध स्वरगसे नै आबैछै, महज यि त सन्सारसे, लोकके आपन चाहनासे आ सैतानसे आबैछै।
बास्तममे अपनासब भुलचुकमे बहौतरा गल्ती करैचियै। बोलि-बचनमे कहियो गल्ती नै बाजैबला लोक सिध लोक चियै। उ लोक आपन पुरा सरिरमे लगाम लगाइले सक्तै।
तुसब कुछ समय कस्ट भोग्लाके बाद, अनुगरहसे भरल अपनासबके परमेस्वर, जे तोरासबके खिरिस्टमे अनन्त महिमामे सहभागी हैकेलेल बोलाइनेछौ। उ आपनेसे तोरासबके फेनसे अस्थापना करतौ, सिध करतौ, बलगर बनाके अस्थिर कराइतौ।