3 हम तोरासबके लग जखुन एलियौ तखुन कमजोर भ्याके, एकदम डर्याल आ थरथर कापैत एल छेलियौ।
पावल आ सिलास अम्फिपोलिस आ अपोल्लोनिया सहरके बाट हैत थेसलोनिके सहरमे एलै। ओते एकटा यहुदीसबके सभाघर छेलै।
तकरबाद पावल एथेन्स सहर छोइरके कोरिन्थ सहरमे गेलै।
जब अखैया इलाकाके गलियोन नामके लोक बडा-हाकिम रहै बखत यहुदीसब एकमत भ्याके पावलके बिरोध करैत ओकरा पकैरके बडा-हाकिम लग लज्याके कहल्कै,
महज यि बात सुइनके उसब पावलके बिरोध आ अपमान करे लाग्लै, तखुन्ते पावल ओइसबके चेताबनीके खातिर आपन बस्तरसे गरदा झारैत कहल्कै, “यदी तोरासबमेसे कोइ नास हेब्ही त आपने दोसके कारन नास हेब्ही तकर दोसी हम नै हेबौ। आबसे हम दोसरे जातीसबके बिच सुसमाचार सुनाइले जाइचियौ।”
हम पावल, तोरासबके सामने डरपोक चियै, महज दुर रहैबेर हम तोरासब परती साहसी हैचियै कैहके तोरासबके बिचमे हल्ला चललछै कहाने। खिरिस्टके नम्रता आ दयासे हम तोरासबके बिन्ती करैचियौ कि,
कतहेक लोक कहैछै, “पावलके चिठीसब गम्भीर आ करा हैछै, महज उ आपने हैतकाल कमजोर हैछै आ ओकर बोली कोनो महत्वके नै हैछै।”
कथिलेत उ कमजोर भ्याके कुरूसमे टाङल गेलै महज परमेस्वरके सक्तीसे जिबित भेलै। तहिनङे हम्हुसब ओकरसङे कमजोर भेलचियै, महज परमेस्वरके सक्तिसे खिरिस्टके लया जिबन अपनासबमे सेहो छै आ उ जिबनके सक्ती तोरासबसङे बेबहार करैतखिना देखल जेतै।
हमसब कमजोर भेलियै तैयो तुसब बौकार चिही तहैमे हमसब खुस चियै आ तुसब परिपक हैले सक कैहके परथना करैचियौ।
परमेस्वर दयालु भेलाके कारनसे यि सेबाके काम हमरासबके देनेछै। ओहै खातिर हमसब हरेस नै खाइचियै।
ओहैसे हमसब कहियो हरेस नै खाइचियै। अपनासबके सारिरीक बल घटैत ज्यारहलछै, तैयो अपनासबके भितरी आत्मिक बल दिन-दिने लया हैत ज्यारहलछै।
महज हरतरहसे हमसब आपनेके परमेस्वरके सेबकसब चियै कैहके देखाइचियै। सब कठिनाइ, बिपत, सङकट आ दुखमे धिरजसे सहन करैचियै।
तोरासबके आग्याकारिताके जिबन, डर आ आदरकेसाथ ओकरा स्वागत करलिही। यि सब बात याद कैरके तितस तोरासबके औरो बेसि परेम करैछौ।
कथिलेकी हमसब माकेडोनिया एलाके बादो हमरासबके कोनो बिसराम नै मिल्लै महज चारु दिसनसे हमरासबके कस्ट एलछेलै, बाहरसे लोकसबसङे झगरा आ हिरदय भितर डरे-डर छेलै।
हे नोकर-चाकरसब, जनङ खिरिस्टके सेबा करैचिही तैहनङे इमान्दारी साथ तुसब यि सन्सारके मालिकसबके आदर कर आ डर राइखके ओकरासबके कहलहा बात मान।