15 जै लोकमे परमेस्वरके पबितर आत्मा छै, उ सब बातके ठिकसे जाँच करैछै, महज ओकरा कोइ नै जाँच करैले सक्तै।
यदि कोइ ओकर इक्छा अनुसार काम करैले चाहैछै त से उ जाइन जेतै, कि हमर सिक्छा परमेस्वरसे एलछै, कि हम आपने मनसे बोलैचियै।
ओकरा पावल आपनसङे लजाइले मन करल्कै। ओते रहैबला यहुदीसबके खातिर उ तिमोथीके यहुदी चलन अनुसार खतना कैरदेल्कै। कथिलेत ओइ इलाकामे रहैबला सब यहुदीसबके थाह रहै कि ओकर बाप गिरिक छेलै।
कोइ अपनाके अगमबक्ता या आत्मिक लोक सम्झैछै त हमर लिखल बात परभुके आग्या चियै कैहके ओकरा सुइकार करे।
हे हमर भाइ-भैयासब, हम तोरासबसङे बोलैतखिना आत्मिक लोकसबसङे बाजल जखा बाजैले नै सकलियौ महज सन्सारके लोकसबसङे बाजल जखा बाजल छेलियौ। खिरिस्टमे भरखर बिस्बास करल छोट बचासबसङे बाजल जखा बोललियै।
तैखातिर परभु नै आबैतक ककरो दोस नै लगा। आब अन्हारमे घोसरल बातसब उ इजोतमे लाबतै आ लोकके मनभितरके बिचारसब परकट करतै। तब सबलोक परमेस्वरसे आपन परसन्सा पाबतै।
हे हमर पिरिय भाइ-भैयासब, यदि कोनो लोक पापके जालमे परलछै, से जाइनके तोरासबमे जे आत्मिकी चिही, तुसब ओकरा नम्र भ्याके सुधार। तेहन काममे आपनो होसियार रह, नै त तुहुसब परिक्छामे परबिही।
ताकि तोरासबमे असल कथी चियै उ छुटयाबैले सक आ खिरिस्ट आबैबला दिनमे तुसब सुध आ निरदोस हैले सक।
तैखातिर हमसब यि बात जहियासे सुन्नेचियै तहियेसे तोरासबके खातिर हरदम परथना करैत आइबरहलचियौ। पबितर आत्मासे मिलल पुरा आत्मिक ग्यान आ समझसे परमेस्वरके पुरा इक्छा जानैले सक कैहके हमरासबके परथना छै।
महज सब बातके जाँच कर आ जे चिज असल छै ओइके पकरने रह।
ठोस भोजन खाइबला परिपक्क लोक रहैछै। उसब दिमागके निरन्तर अभ्यास दुवारा असल आ खराब छुटियाबे सकैबला भेल रहैछै।
महज खिरिस्ट तोरासबके पबितर आत्मा देनेछौ आ सत बात तुसब जानैचिही।
हमर पिरिय भाइ-भैयासब, हमरसङे पबितर आत्मा छै कहैबला जकरे-तकरेमे बिस्बास नै कर, महज ओइसबसङे परमेस्वरके आत्मा छै कि नै छै, जाँचके देख कथिलेत बहौत झुठा अगमबक्तासब सन्सारमे एलछै।