17 स्तिफनास, फोरटुनाटस आ अखाइकस एलासे हम बहौत खुस भेलियै, कथिलेकी तोरासबके अनुपस्थितीमे जे कुछ कमि छेलै उसब पुरा कैरदेल्कै।
हँ, हम स्तिफनासके घरके लोकसबके सेहो बप्तिस्मा देलियै। अकर बाहेक, हम औरो ककरो बप्तिस्मा देलियै कि नै देलियै, उ हमरा थाह नै छै।
तोरासबसङे रहैतकाल जब हमरा घटि-कमी भेलै, तब हम ककरो बोझ नै बनलियै, कथिलेकी माकेडोनिया परदेससे एल भाइसब हमर घटि-कमी पुरा करल्कै। हम तोरासबके बोझ पैहनियो नै रहलियौ आ पाछुवो नै हेबौ।
महज निरास भेलसबके सान्तबना दैबला परमेस्वर तितस एलासे हमरासबके सान्तबना देल्कै।
कथिलेकी उ खिरिस्टके काम करैके लेल मिरतुके मुहमे परल छेलै। तुसब हमर लेल पुरा करैले नै सकल सेबा उ पुरा करल्कै।
ओकरा हम आपनसङे राखैले पाबतियै त असल हेतियै, कथिलेकी सुसमाचारके कारन हम जहलमे रहैबखत तोहर ठाउमे उ हमरा मदत करैले सकतियै।