57 महज परमेस्वरके धन्यबाद हेबे, जे अपनासबके परभु येसु खिरिस्टसे अपनासबके बिजय दैछै।
“हम तोरासबके यि बात अहै खातिर कहनेचियौ, कि हमरमे रैहके तोरासबके सान्ती हेबे। सन्सारमे तोरासबके सङकट हेतौ, महज साहस कर, हम सन्सारके जितलेने चियै।”
अतेक कैहके उ रोटी लेल्कै आ सबके सामने परमेस्वरके धन्यबाद देल्कै आ तोइरके खाइले लाग्लै।
हम परमेस्वरके धन्यबाद दैचियै। येसु खिरिस्ट दुवारा परमेस्वर हमरा छुटकरा दैछै। तैल्याके आपन हिरदयमे परमेस्वरके बेबस्था पालन करैचियै महज हमरमे भेल पाप स्वभाब हमरा पापके नियमके अधिनमे राखैछै।
यि सब बात हैतोपरभी अपनासबके परेम करैबला खिरिस्टे दुवारा हमसब यि सब चिज उपर बरका जित पाबनेचियै।
सुन! हम तोरासबके एकटा रहसके बात कहैचियौ, अपनासब कोइ नै मरबिही, महज सबकोइ परिबरतन हेतै।
तुसब परथनासे हमरासबके सहायता करेपरतौ। अहिनङ बहौत लोकके परथनाके उतरके रुपमे हमसब जे आसिस पाबनेचियै, तकर लेल बहुतो लोक परमेस्वरके धन्यबाद चरहाइतै।
परमेस्वरके धन्यबाद हेबे, उ अपनासबके खिरिस्टमे सबदिन बिजयके लेल चलाबैछै। ओकर ग्यानके गमक अपनासबसे हरेक जगहमे फैलाबैछै।
ओकर बखाने करैले नै सकैबला बरदानके लेल परमेस्वरके धन्यबाद हेबे।
अपनासबके परभु येसु खिरिस्टके नाममे परमेस्वर पिताके सब बातमे हरदम धन्यबाद दैतरह।
कथिलेत उ बेटा-बेटीसब लहु आ मासुके देह भेलासे येसु सेहो ओकरेसब जखा भ्याके एलै। उ आपनेसे मिरतु भोइगके मिरतुके सक्ती भेल सैतानके नास करल्कै।
थुमाके लहुसे, ओकरासबके घोसना करल सत बचनसे आ जान तलिक दैले उसब तैयार भेलाके कारन अपनासबके भाइ-भैयासब ओकरा जितनेछै।
परमेस्वर ओकरासबके आँखके पुरे लोर पोइछदेतै। ओते मिरतु, सोक, बिलाप आ दुख नै हेतै। कथिलेत पुरन्का सब बात बित गेलछै।”