56 मिरतुके खिल पाप चियै आ पापके सक्ती बेबस्था चियै।
येसु फेनो ओइसबके कहल्कै, “हम अतेसे ज्यारहलचियौ आ तुसब हमरा ताकबिही, महज तुसब आपने पापमे मरबिही। जते हम ज्यारहलचियौ, तते तुसब आबे नै सकबिही।”
अहैलेल हम ‘तुसब आपने पापमे मरबिही’ कहलियौ। यदि हम ओह्या चियै कैहके बिस्बास नै करबिही त तुसब साँचोके आपन पापमे मरबिही।”
कथिलेत बेबस्था भङ करैबलासब उपर परमेस्वरके करोध परैछै। महज जते बेबस्था नै छै ओते भङ करैबला बाते नै छै।
परमेस्वरके फोक्टेके बरदान आदमके पाप जखा नै चियै। कथिलेत एकटा लोक आदमके पापके कारनसे बहुत लोक मरलै। महज एकटा लोक येसु खिरिस्टके बरदान दुवारा परमेस्वर बहुतो लोकके औरो बेसिसे अनुगरह देल्कै।
एकेटा लोक आदमके करल पापके कारन सब लोकसब मरैछै। महज असल बात यि चियै कि, परमेस्वर परसस्त अनुगरह आ धारमिकताके बरदानसे लोकसबके धरमी ठहराइल्कै। अनङ उसब एकेटा लोक येसु खिरिस्ट दुवारा जिबन पाबतै।
लोकसब अपना कतहेक पाप करनेचियै से जानैके लेल परमेस्वर ओकरासबके बेबस्था देल्कै। लोकसबके पाप जतहेक बरहैत गेलै परमेस्वरके अनुगरह ओतहेक बेसिसे बरहैत गेलै।
कथिलेत पाप करैबलाके बैन मिरतु चियै, महज फोक्टेमे देल परमेस्वरके बरदान त अनन्त जिबन चियै जे अपनासबके परभु येसु खिरिस्टमे देनेछै।
जहिनङ लोकसबके एकबेर मरनाइ निस्चित छै तहिनङ मरलाकेबाद ओकर नियाय निस्चित छै।