ओकर आठ दिन बाद फेनसे येसुके चेलासब घरमे जम्मा भेलै आ थोमा सेहो ओकरेसबसङे छेलै आ केबार बन्द भेलोपर येसु भितर एलै आ ओइसबके बिचमे ठार भ्याके कहल्कै, “तोरासबके सान्ती मिले!”
हे हमर पिरिय भाइ-भैयासब, हम तोरासबके यि बात कहैले चाहैचियौ, कि मासु आ लहुसे बनल अपनासबके देह परमेस्वरके राजके हकदार हैले नै सक्तै। तहिनङे नास हैबला देह कहियो नास नै हैबला देहके हकदार हैले नै सक्तै।
जै लोकमे परमेस्वरके आत्मा नै छै, उ लोक परमेस्वरके आत्माके बातसबके गरहन नै करैछै। कथिलेत एहैन बातसब ओकरलेल मुरुख बात हैछै। एहैन बात त परमेस्वरके आत्मासे मातरे बुझैले सकैछै।