43 अनादरमे उ गारल जाइछै महज महिमामे जिबित हैछै। कमजोरीमे उ गारल जाइछै महज सक्तीमे जिबित हैछै।
तब धरमी लोकसब आपन पिताके राजमे सुरुज जखा चम्कतै। जकरा कान छै, उ धियानसे सुइनके बुझ।
येसु कहल्कै, “हमरा भुत नै लागल छै। हम आपन पिताके आदर करैचियै आ तुसब हमरा अनादर करैचिही।
जनङ परमेस्वर आपन सक्तिसे येसु खिरिस्टके मरलसे जिबित करल्कै तहिनङे आपनोसबके ओकर सक्तीसे जिबित करतै।
परभु येसु खिरिस्टके अनुगहर, परमेस्वर पिताके परेम आ पबितर आत्माके संगति तोरासबके सङे हैतरहे।
कथिलेत उ कमजोर भ्याके कुरूसमे टाङल गेलै महज परमेस्वरके सक्तीसे जिबित भेलै। तहिनङे हम्हुसब ओकरसङे कमजोर भेलचियै, महज परमेस्वरके सक्तिसे खिरिस्टके लया जिबन अपनासबमे सेहो छै आ उ जिबनके सक्ती तोरासबसङे बेबहार करैतखिना देखल जेतै।
हम खिरिस्टके औरो निकसे चिन्हैले आ ओकरा जियाइबला सक्तीके अनुभव करैले चाहैचियै। ओकर जखा दुख सहैले आ मरैयोले इक्छा करैचियै,
तोरासबके साँचोके जिबन त खिरिस्टे चियौ। जखैन उ परगट हेतौ तखैन तुसब ओकरे महिमामे परगट हेब्ही।