26 तैमे सबसे पछा नास हैबला दुस्मन त मिरतु चियै।
उसब फेनो नै मरैछै, कथिलेत उसब स्वरगदुतसब सरह हैछै। उसब मरनके बाद फेनो जिलासे परमेस्वरके धियापुतासब हैछै।
“ए मिरतु, तोहर जित कते? ए मिरतु तोहर खिल कते?”
जे अनुगरह आब हमरासबके मुक्तीदाता येसु खिरिस्ट एलासे परकट भेल छै। परभु येसु मिरतुके नास कैरके सुसमाचारमे अजर-अमर जिबन परकट करने छै।
कथिलेत उ बेटा-बेटीसब लहु आ मासुके देह भेलासे येसु सेहो ओकरेसब जखा भ्याके एलै। उ आपनेसे मिरतु भोइगके मिरतुके सक्ती भेल सैतानके नास करल्कै।
जे सब समुन्दरमे मरल छेलै ओइसबके समुन्दर ओकरा देल्कै। मिरतु आ पताल सेहो ओइमे भेल मरलसबके देल्कै। तब ओकरासबके करल काम अनुसार सबके नियाइ भेलै।
मिरतु आ पताल आइगके भठिमे फेकलगेलै। यि दोसर मिरतु चियै।
परमेस्वर ओकरासबके आँखके पुरे लोर पोइछदेतै। ओते मिरतु, सोक, बिलाप आ दुख नै हेतै। कथिलेत पुरन्का सब बात बित गेलछै।”