17 खिरिस्ट मरलसे जिबित नै कर्याल गेलछै त, तोरासबके बिस्बास बेरथ छौ आ तुसब अखुन्तो आपन पापमे चिही।
इजराएलके लोकसबके पस्चातापके खातिर आ ओइसबके पापसे छमा दैके खातिर परमेस्वर येसुके परभु आ मुक्तीदाता बनाके आपन देहना कात बैठेल्कै।
येसु अपनासबके पापके खातिर मारलगेलै आ अपनासबके धरमी ठहराइके लेल जिबित कर्याल गेलै।
कथिलेत अपनासब परमेस्वरके सतरु भेल बखत ओकर बेटाके मिरतु दुवारा अपनासबके आपनसङे मिलापमे आनल्कै। अपनासब ओकर सङी भेलाके कारनसे उ आपन बेटाके जिबनसे अपनासबके बचाइतै।
यदि खिरिस्ट मरलसे जीके नै उठलै त अपनासबके परचार बेरथ हैछै आ तोरोसबके बिस्बास बेरथ हेतौ।
यदि मरलसबके जीके नै उठेतै त, खिरिस्ट सेहो मरलसे जिबित नै कर्याल गेलै।
हमर परचार करल उ सुसमाचारमे बिस्बास करैले नै छोरबिही त तुसब उदार पाबबिही, नै त तोरासबके करल बिस्बास बेरथ हेतौ।
ओकरेसे तुसब परमेस्वरमे बिस्बास करलिही, जे ओकरा मरलसे जिबित करल्कै आ ओकरा महिमा देल्कै, तैल्याके तोरासबके आपन बिस्बास आ भरोसा परमेस्वरमे रहे।
परमेस्वर आ अपनासबके परभु येसु खिरिस्टके पिताके महिमा हेबे। ओकर महान दयासे हमसब लया जलम पाबनेचियै। उ लया जलम येसु खिरिस्टके पुनरुथानसे हमसब पाबनेचियै। ओहैसे अपनासबके जिबित आसा यि चियै कि,