11 तैखातिर चाहे हम, चाहे औरो परेरितसब, हमसब ओह्या परचार करैचियै, ओइमे तुसब बिस्बास करनेचिही।
महज हम जे चियै, उ परमेस्वरके अनुगरहसे चियै आ हमर उपर करल ओकर अनुगरह बेकार नै भेलै। हम औरो परेरितसबसे बेसि मेहनत करलियै। बास्तममे काम करैबला हम नै, महज हमरसाथमे भेल परमेस्वरके अनुगरहसे काम करनेचियै।
परमेस्वर खिरिस्टके मरलसे जीयाके उठेल्कै कैहके हमसब परचार करैचियै त, कनङके तोरासबमेसे कोइ-कोइ मरल लोक जीके नै उठतै कहैचिही?
हम तोरासबके लग रहैतखिना येसु खिरिस्ट आ कुरूसमे भेल ओकर बलिदान बाहेक किछो नै बोलैके पक्का करनेछेलियै।