32 अगमबक्तासबके आत्मा अगमबक्तेसबके अधिनमे रहैछै।
एन्टिओखिया सहरके मन्डलीमे अगमबक्तासब आ सिक्छा दैबला लोकसब रहै। उसब बरनाबास, करिया कहाइबला सिमियोन, कुरेनीमे रहैबला लुकियस, रजा हेरोदेसङे पालन-पोसन भेल मनेन आ साउल रहै।
तुसब सबकोइ एक-एक कैरके अगमबानी बोलैले सकबिही आ अहिनङ कैरके सबकोइ सिखे सकबिही तब सबकोइ उत्साह पाबबिही।
कथिलेत परमेस्वर गोलमालके परमेस्वर नै चियै, महज सान्तीके परमेस्वर चियै। जनङ सब मन्डलीमे भेल्हा सन्तसबके तौरतरिका अनुसार परमेस्वरके बिस्बासीसबमे छै।
अपनासबके परभु आबैबला दिन भेलौ कहतौ त तुसब नै घबरा आ भरममे नै पर। ओइ दिनके बिसयमे कोइ अगमबानीसे, कोइ बोलिसे आ कोइ-कोइ हमरेसब जखा लिखल चिठीसे भरममे पारैले खोज्तौ तैयो बिस्बास नै करिहे।
हमर पिरिय भाइ-भैयासब, हमरसङे पबितर आत्मा छै कहैबला जकरे-तकरेमे बिस्बास नै कर, महज ओइसबसङे परमेस्वरके आत्मा छै कि नै छै, जाँचके देख कथिलेत बहौत झुठा अगमबक्तासब सन्सारमे एलछै।
तकरबाद उ स्वरगदुत हमरा कहल्कै, “यि बचन बिस्बासयोग्य आ सत छै। अगमबक्तासबके पबितर आत्मा दैबला परभु परमेस्वर आपन सेबकसबके आब जल्दिए हैबला घटनासब देखाइके लेल स्वरगदुतके पठाइल्कै।”