29 अगमबानी बोलैबला दुइ या तिन गोरा हेबे आ ओइसबके बोलल बात ठिक छै कि नै छै से औरोसब जाँच करे।
एन्टिओखिया सहरके मन्डलीमे अगमबक्तासब आ सिक्छा दैबला लोकसब रहै। उसब बरनाबास, करिया कहाइबला सिमियोन, कुरेनीमे रहैबला लुकियस, रजा हेरोदेसङे पालन-पोसन भेल मनेन आ साउल रहै।
ओह्या पबितर आत्मा ककरो अचमके काम करैबला, ककरो अगमबानी बोलैबला, ककरो आत्मासब छुटयाबैबला, ककरो बहौत किसिमके भसासब बोलैबला आ ककरो भसासबके अरथ खोलैबला बरदान दैछै।
हमरसङे अगमबानी बोलैबला बरदान छै आ सब रहस आ सब किसिमके ग्यान बुझैले सक्बै आ पहार हटाबे सकैबला पुरा बिस्बास हमरसङे छै, महज हमरमे परेम नै छै त, हम किछो नै चियै।
महज ओते अरथ खोलदैबला कोइ नै छै त आन भसा बोलैबला लोक मन्डलीमे चुप रहे, उ आपनेसङे आ परमेस्वरसङे बोले।
महज बोलैत खिना औरो ककरो परमेस्वरसे कोनो सत बात परकट हैछै त पहिनेसे बोलैबला लोक चुप हेबे।
अगमबक्तासबके आत्मा अगमबक्तेसबके अधिनमे रहैछै।
कोइ अपनाके अगमबक्ता या आत्मिक लोक सम्झैछै त हमर लिखल बात परभुके आग्या चियै कैहके ओकरा सुइकार करे।
अहै खातिर हे भाइ-भैयासब, अगमबानी बाजैले उटकट इक्छा राख आ आन भसा बाजैले मनाही नै कर।