24 महज सब गोरा अगमबानी करैबखत बिस्बास नै करैबला या मन्डली बाहरके लोक ओते एतौ त उ आपन भसामे बोलल बात सुन्लाके कारन आपन पाप थाह पाबतै आ आपनेसे जाँचैले सक्तै।
जब उ एतौ त सन्सारके लोकसबके पाप, धारमिकता आ परमेस्वरके नियाइके बिसयमे कैरते आइबरहल भुलसब देखाइतौ,
“आबैजो, अते आइबके एकटा लोकके देख! हमर करल सबकाम उ हमरा कैहदेल्कै। कि ओह्या मुक्ती दैबला रजा खिरिस्ट त नै चियै?”
यि बात सुइनके उसब दुखी भेलै आ पछताबे लाग्लै, तब पतरुस आ औरो परेरितसबके उसब कहल्कै, “भाइसब, हमसब कथी करबै?”
परेम करैबला बातमे लागल रह आ आत्मिक बरदानसब पाबैके लेल उतकट इक्छा राख। खास कैरके अगमबानीके बरदानसब बोलैके लेल इक्छा कर।
तुसब आत्मामे परमेस्वरके परसन्सा करबिही महज तोहर बात नै बुझैबला लोक तोहर बातमे सहमति जनाबैले कनङके “आमेन” कहतौ? कथिलेत उ तोहर कहल बात नै बुझैछौ।
जै लोकमे परमेस्वरके पबितर आत्मा छै, उ सब बातके ठिकसे जाँच करैछै, महज ओकरा कोइ नै जाँच करैले सक्तै।