8 परेमके कहियो अन्त नै हैछै। अगमबानीसब बितके जेतै, भसासब बन भ्याजेतै आ ग्यान हर्या जेतै।
महज तोहर बिस्बास नै डगमगावे कैहके हम तोहर लेल परथना करनेचियौ आ फेनो तु हमर दिसन घुइमके एलाकेबाद तोहर भाइसबके अस्थिर करा।”
एन्टिओखिया सहरके मन्डलीमे अगमबक्तासब आ सिक्छा दैबला लोकसब रहै। उसब बरनाबास, करिया कहाइबला सिमियोन, कुरेनीमे रहैबला लुकियस, रजा हेरोदेसङे पालन-पोसन भेल मनेन आ साउल रहै।
जब पावल उसबके उपरमे आपन हाथ राखल्कै तब उसब उपर पबितर आत्मा एलै। तब उसब दोसर भसामे बोले लाग्लै आ अगमबानी करे लाग्लै।
तब उ सबगोरे पबितर आत्मासे भरलै आ पबितर आत्माके सक्तिसे उसब आन भसासबमे बोले लाग्लै।
ओह्या पबितर आत्मा ककरो अचमके काम करैबला, ककरो अगमबानी बोलैबला, ककरो आत्मासब छुटयाबैबला, ककरो बहौत किसिमके भसासब बोलैबला आ ककरो भसासबके अरथ खोलैबला बरदान दैछै।
महज जब पुरा करैबला एतै तब अधुरा बात हर्या जेतै।
आब बिस्बास, आसा आ परेम यि तिन बात रहैछै, महज ओइमेसे सबसे बरका परेम चियै।
अहै खातिर हे भाइ-भैयासब, अगमबानी बाजैले उटकट इक्छा राख आ आन भसा बाजैले मनाही नै कर।
यदि कोनो लोक “हम जानैचियै” कहैछै त, बास्तममे उ जतेक जानैके चाही, उ जान्ने नै रहैछै।
खिरिस्ट येसुमे नै त खतनाके नै त बेखतना कोनो मोल छै। महज एकेटा बातके मोल छै, उ यि चियै, अपनासब बिस्बासके कारन एक-दोसरके परेम करैचियै।
परमेस्वर यि करारके “लया करार” कहल्कै, ओहैसे ओकर पहिनेके बान्हल करारके पुरना करार ठहरेल्कै। उ करार पुरान हैतजेतै आ जल्दिए नास हैतजेतै।