5 परेम हठी नै हैछै, नै जिद्दी हैछै। परेम आपने बारेमे मातरे नै सोचैछै, दिक्क नै मानैछै आ खराबीके हिसाब नै राखैछै।
महज हम तोरासबके कहैचियौ, जे कोइ आपन भाइसे करोध करैछै, उ सजायके भागिदार हेतै, जे कोइ आपन भाइके अपमान करैछै, ओकरा धारमिक महासभामे जबाब देबे परतै। महज जे कोइ आपन भाइके सराप दैछै, उ नरकके आइगमे खसै जोकरके हेतै।
येसु ओइसबके मनके बात जाइनके कहल्कै, “तुसब आपन मनमे कथिले अधलाह बात सोचैचिही?
ओइसबके हिरदयके कठोर बिचार जाइनके दुखीत भेलै आ खिस्याके उ सबके ताकल्कै तब येसु ओइ लोकके कहल्कै, “तोहर हाथ पसार।” उ हाथ पसारल्कै आ ओकर हाथ पहिने जहिनङ छेलै तहिनङ भेलै।
येसुके नौता दैबला फरिसी यि देखके मनेमन कहेलाग्लै, “अगर येसु साच्चेके अगमबक्ता चियै त छुबैबाली जनिजाइत केहन पापी चियै से जाइनजेतियै।”
कोइ आपन मातरे भलाइ नै, बरु दोसरके सेहो भलाइ खोजे।
हमर करल जखा कर। हम अपना खुस हैबला काम नै करलियै। महज सबकोइ मुक्ती पाबे कैहके सब तरहसे सबके भलाइ खोजैचियै।
पहिल्का बात यि चियै कि जब तुसब मन्डलीमे एकसाथ भेला हैचिही, तोरासबके बिचमे बेमेल हैछौ कैहके हम सुन्ने चियौ। तै बातमे हम कुछ बिस्बासो करैचियौ।
ताकि देहमे बेमेल नै हेबे, महज देहके अङसब एक-दोसरके लेल समान वास्ता राखे।
यदि कोनो लोकके मङनी भेल छौ आ उ लोक आपन मङनी भेल छौरीके निक बेबहार नै करल लागैछै आ उ छौरीके उमेर बितेलागलछै त उसब बियाह करे। अइमे कोनो पाप नै लागैछै।
परमेस्वर आपनेसे खिरिस्टमे रैहके सन्सारके सब लोकसबके अपराधके लेखा नै ल्याके मिलापमे आइनरहलछेलै। आबसे यि मिलापके सेबा अपनासबके जिम्मा देनेछै।
भाइ-भैयासब, तुसब स्वतन्तर हैले बोल्याल गेलचिही। यि स्वतन्तरताके आपन पाप स्वभाबके इक्छा पुरा करैले परयोग नै कर। बरु परेमसे एक दोसरके भलाइ कर।
औरो लोकसब त आपने धुनमे लागलछै, येसु खिरिस्टके बारेमे वास्ता करैबला कोनो लोक नै छै।
अन्तमे, भाइ-भैयासब, जे बात सत छै, जे बात असल छै, जे बात नियाय संगत छै, जे बात पबितर छै, जे बात परेम योग्य छै, जे बात किरपाके योग्य छै, अरथात जे आदरके योग्य छै आ परसन्साके योग्य छै तैमे मन लगा।
कथिलेकी कनङके हमरासबके देखासिखी करैके चाही से तुसब जान्बे करैचिही। हमसब तोरासबसङे रहलियौ त कोढिया भ्याके नै रहलियौ।
तहैले परमेस्वरके चुनलहा लोकसबके खातिर हम सबचिज सहैचियै, ताकि ओहोसब येसु खिरिस्टके मुक्ती पाबे आ अनन्त महिमामे सहभागी हैलेसके।
पहिन्का बेर जखुन हमरा कचहरीमे आपन सफाइ दैले परल छेलै तखुन हमर पक्छमे कोइ नै बाज्लै। सब गोरे हमरा छोइरदेल्कै। यि बातके दोस ओइसबके ककरो नै लागे।
हे हमर पिरिय भाइ-भैयासब, यि बात तोरौरके जान। सुनैमे जल्दी, बाजैमे अस्थिर, तामसमे कम हैलेपरतै।