2 हमरसङे अगमबानी बोलैबला बरदान छै आ सब रहस आ सब किसिमके ग्यान बुझैले सक्बै आ पहार हटाबे सकैबला पुरा बिस्बास हमरसङे छै, महज हमरमे परेम नै छै त, हम किछो नै चियै।
रस्ताके कातमे एकटा अन्जिरके गाछ देखल्कै आ उ लगमे गेलै महज ओइ गाछमे पता बाहेक औरो कुछो नै भेटलै। तब येसु उ गाछके कहल्कै, “आबसे तोरामे कहियो फल नै फरे।” तखुन्ते उ गाछ सुइखगेलै।
तब येसु उसबके जबाफ देल्कै, “साँचेके हम तोरासबके कहैचियौ, यदी तोरासबमे बिस्बास छौ आ सङका नै कैरके यि अन्जिरके गाछके जे हम करलियै अतबेक नै, महज यि पहारके ‘तु अतेसे उखैरके समुन्दरमे खस’ कहबिही त तहिनङे हेतौ।
हे हमर भाइ-भैयासब, हम तोरासबके एकटा रहसके बात थाह हेबे कैहके चाहैचियौ। उ बात तोरासबके थाह हेतौ त तुसब आपनेके बुधिमान ठाइनके घमन्ड नै करबिही। उ रहसके बात यि चियै कि, खिरिस्टमे आबैबला गैर-यहुदीसब बिस्बास नै करैतक बहुतो इजराएलीसबके हिरदय कठोर हेतै।
परमेस्वर मन्डलीमे सबसे पहिने परेरितसब, दोसर अगमबक्तासब, तेसर गुरुसब, तब अचमके काम करैबलासब, बिमारसबके निक करैबलासब, दोसरके सहायता करैबलासब, परसासन चलाइबलासब आ आन भसा बोलैबलासबके नियुक्त करने छै।
तैखातिर मुरुतिके चरह्याल खाइले मिलैछै कि नै मिलैछै तैके बारेमे हमसब जानैचियै कि, सन्सारके मुरती किछो नै चियै आ एक मातरे परमेस्वर बाहेक औरो कोइ नै छै।
हम त मुरुख जखा भेलियै, महज तुहिसब हमरा एहेन करैले कर लगेलिही। बास्तममे तोरेसबके हमर पक्छमे निक बात बोलैले परतियौ, कथिलेत हम किछो नै छेलियै तैयो महान परेरितसबसे त हम कम नै चियै।