11 जब हम बचा छेलियै तब बचे जखा बाजैछेलियै, बचे जखा सोचै छेलियै आ बचे जखा तरक करैछेलियै। महज जब हम जबान भेलियै, तब बचाके बेबहार छोइरदेलियै।
तब उसब एक-दोसरमे बात-चित करे लाग्लै, “अपनासब रोटी नै आन्लाके कारन येसु एहेन कैहरहल छै कि।”
महज जब पुरा करैबला एतै तब अधुरा बात हर्या जेतै।
अखुन हमसब ऐनामे धोनराह देखैचियै, महज ओइ बखतमे साफ-साफ देख्बै। अखुन हम कमे बुझैचियै महज ओइ बखत परमेस्वर हमर बारेमे सब बात जानल जखा, हम्हु सब बात जान्बै।
हे हमर भाइ-भैयासब, तुसब सोच-बिचारमे बचा जखा नै महज परिपक्क लोक जखा बन। खराब बातमे ठिक-बेठिक छुटयाबैले नै सकैबला बचा जखा हो।
हमर कहैके मतलब यि चियै कि, हकबला जाबेतक छोट रहैछै, उ सब चिजके मालिक रहतै तैयो उ दास जखा हैछै।