6 तहिनङे कामसब बहौत किसिमके छै, महज सबके जिबनमे काम करैबला सक्ति ओह्या परमेस्वर दैछै।
महज येसु उसबके जबाफ देल्कै, “हमर पिता अखनियोतक काम कैरते छै आ हम्हु काम कैरते चियै।”
यि सब एके पबितर आत्माके काम चियै। उ आपन इक्छा अनुसार सब कोइके अलग-अलग किसिमके बरदान दैछै।
सेबा बहौत किसिमके छै, महज अपनासब एकेटा परभु सेबा करैचियै।
जब सब चिज खिरिस्टके अधिनमे राखैछै तब बेटा स्वयम परमेस्वरके अधिनमे रहैछै। जे सबचिज आपन बेटाके अधिनमे राइखदेनेछै ताकी परमेस्वर सब चिज उपर अधिकार करे।
तैखातिर बिया छिटैबला आ पानी पटाबैबला बरका नै चियै, महज बरहाबैबला परमेस्वरे सबसे बरका चियै।
सबके परमेस्वर पिता एके छै। वह्या सबकोइ उपर राज करैछै, सब कोइसे काम करैछै आ सब कोइके हिरदयमे बास करैछै।
कथिलेकी परमेस्वर तोरासबमे सबदिन काम कैरते आबैछौ। उ तोरासबके ओकर असल उदेसके काम पुरा करैके मन आ सक्ती दुनु देतौ।
खिरिस्टके महान सक्तीमे भर पैरके यि काम हम एकदम मेहनतसे करैचियै।
तैखातिर अते गिरिक या यहुदी, देहमे खतना करल आ नै करल, असभ्य, असिक्छित, दास या स्वतन्तर ककरो कोनो भेदभाव नै छै महज खिरिस्टे सब चिज चियै आ सबमे बास करैछै।
तोरासबके हर परकारके असल गुनसबसे भरिपुरन करे आ तुसब ओकर इक्छा पुरा करैले सक। परमेस्वरके जे मन परैबलाछै से येसु खिरिस्ट दुवारा उ तोरासबमे करे। ओकर महिमा जुगो जुग तलिक रहे। आमेन।