30 कि सबकोइसङे निक करैबला बरदानसब हैछै? कि सबकोइ आन भसा बोलैछै? कि सबकोइ आन भसाके अरथ बताइले सकैछै?
ओह्या पबितर आत्मा ककरो अचमके काम करैबला, ककरो अगमबानी बोलैबला, ककरो आत्मासब छुटयाबैबला, ककरो बहौत किसिमके भसासब बोलैबला आ ककरो भसासबके अरथ खोलैबला बरदान दैछै।
परमेस्वर मन्डलीमे सबसे पहिने परेरितसब, दोसर अगमबक्तासब, तेसर गुरुसब, तब अचमके काम करैबलासब, बिमारसबके निक करैबलासब, दोसरके सहायता करैबलासब, परसासन चलाइबलासब आ आन भसा बोलैबलासबके नियुक्त करने छै।
कि सब परेरितसब चियै? कि सब अगमबक्तासब चियै? कि सब गुरुसब चियै? आ कि सब अचमके काम करैबलासब चियै?
ओह्या पबितर आत्मा ककरो बिस्बास करैबला, ककरो रोग-बिमारसबके निक करैबला बरदानसब दैछै।
तैखातिर जे आन भसामे बोलैछै, तकर अरथ बताबैके बरदानके लेल उ परथना करे।