26 यदि एकटा अङके दुख हैछै त, देहके पुरे अङ दुख भोगैछै। यदि एकटा अङके आदर हैछै त, देहके पुरे अङसब एकसाथ खुसी मनाबैछै।
तब येसु युहन्नाके कहल्कै, “अखुन अहिनङे हेबे दियौ। कथिलेत अपनासबके खातिर एह्या उचित छै जे अहिनङे सब धारमिकताके पुरा करे परतै।” तब युहन्ना ओकर बात मानैले राजी भेलै।
यदी तोहर देहना आँख पाप करैले लगाइछौ त ओकरा निकाइलके फेक दहै, कथिलेत तोहर सौसे देह नरकमे जाइसे बरु तोहर देहसे एकटा हटेनाइ असल हेतौ।
आनन्द करैबलासबसङे आनन्द कर आ कानैबलासबसङे कान।
ताकि देहमे बेमेल नै हेबे, महज देहके अङसब एक-दोसरके लेल समान वास्ता राखे।
हमर कहैके मतलब यि चियै कि, तुसब खिरिस्टके देह चिही आ हरेक बिस्बासी उ देहके अङसब चिही।
एक-दोसरके भार उठा। अहिनङ कैरके तुसब खिरिस्टके आग्या पुरा करबिही।
तुसब आपने जहलमे परल जखा जहलमे परलहासबके तुसब वास्ता कर। आपने दुख भोगल जखा अतियाचारमे परलहासबके याद कर कथिलेकी तुहुसब सरिरमे चिही।
अन्तमे हम यि कहैले चाहैचियौ, तुसब एके मनके हो, एक दोसरके पिर मरका बुझ, एक दोसरके भाइ दाखिल माइनके परेम कर। तुसब दयालु आ नम्र बन।