12 जहिनङे देह एकेटा छै आ ओइमे अङसब बहौत छै, महज अलग-अलग अङसब मिलके पुरे देह बनैछै। खिरिस्टके देह ओहिनङे छै।
रोटी एकेटा छै आ हमसब बहुतो गोरे चियै तैयो एके देह चियै, कथिलेत हमसब एकेटा रोटीसे खाइचियै।
ओनङ त अङसब बहौत छै, महज देह एकेटा छै।
हमर कहैके मतलब यि चियै कि, तुसब खिरिस्टके देह चिही आ हरेक बिस्बासी उ देहके अङसब चिही।
सबकोइके भलाइ हेबे कैहके सबलोकके पबितर आत्माके बरदान देलगेलछै।
परमेस्वर, अबराहम आ ओकर सन्तानसे करल परतिग्या अहिनङे छेलै। पबितर धरमसास्तरमे द्याल उ परतिग्या “बहुतो सन्तानसबके” लेल नै, महज “एक गोरेके” लेल मातरे छेलै आ उ दोसर कोइने चियै, उ त केबल खिरिस्ट चियै।
मन्डली खिरिस्टके देह चियै, एह्या देह सब बातसे भरल ओकर पुरा रुप चियै।
खिरिस्टके सब पबितर जनसबके ओकर काम करे सकैबला बनाइले आ ओकर देह मन्डलीके बलगर बनाइले सके कैहके नियुक्त करल्कै।
देह एके चियै आ पबितर आत्मो एके चियै। तहिनङ तोरासबके एके आसामे बोलाइनेछौ।
कथिलेत घरबला घरबालीके सिर चियै, जनङ खिरिस्ट मन्डलीके सिर चियै, जे मन्डली ओकर देह आ उ स्वयम मन्डलीके मुक्ती दैबला चियै।
कथिलेत अपनासब ओकर देहके अङसब चियै।
मन्डली खिरिस्टके देह चियै आ उ ओकर सिर चियै। लया जिबन दैबला उहे चियै कथिलेत मरलसे जिबित हैबलामेसे उ सबसे जेठ चियै आ उहे सब बातमे अधिकार करैछै।
अखुन हम तोरासबके खातिर दुखो भोइगके खुसी चियौ कथिलेत खिरिस्टके देह अरथात मन्डलीके खातिर बाकी रहल दुख-कस्टसब हम आपन देहमे भोइगके पुरा करैचियौ।
अहिनङ यिसब त आपन सिर, जे खिरिस्ट चियै, ओकरसङे कोनो समबन्ध नै राखैछै। खिरिस्ट देहके सिर चियै जे पुरे देहके हटाकटा बनाबैछै, एहैन कैरके देह, गिरह-गिरह आ नसा-नसासब जुटैत परमेस्वरेके योजना अनुसार बरहैत-बरहैत जाइछै।
खिरिस्टके सान्तीके तुसब आपन हिरदयमे राज करैले दहै। एह्या सान्तीके खातिर परमेस्वर तोरासबके एके देहमे बोलाइनेछौ। यि बातमे तुसब धन्यबादी बन।