28 तैखातिर हरेक लोक पहिने अपनाके ठिकसे जाँचे तकरबाद उ रोटी खेबे आ बाटीसे पिबे।
यि बात सुइनके चेलासब बहुत दुखी भेलै आ उसब एक एक कैरके येसुके पुछल्कै, “परभु, कि उ हम चियै?”
कथिलेत जे परभुके देहके नै चिन्हके खाइछै आ पियैछै, उ खेलाके आ पिलाके कारन आपन उपर दन्ड आनैछै।
यदि हमसब आपनेके ठिकसे जाँच्ने चियै त, नियाइमे नै परबै।
तुसब बिस्बासमे चिही कि नै चिही से आपनेसे जाँइचके देख। यदि जाँचमे असफल नै हेब्ही त खिरिस्ट तोरासबमे छौ कैहके थाहे हेतौ।
सबकोइ आपन-आपन कामके जाँच आपनेसे करे। तब आपन करल काम असल हेतै त, उ आपन करल काममे खुसी हैले सक्तै आ दोसरसङे तुलना करैले नै परतै।