26 जहिया-जहिया तुसब यि रोटी खेब्ही आ अइ बाटीसे पिब्ही, परभु नै आबेतक ओकर मिरतुके परचार करबिही।
हम ज्याके तोरासबके खातिर ठाम तयार करलाके बाद फेनो एबौ आ तोरासबके आपनलग ल्याजेबौ, तैल्याके हम जते रहैचियै ओतै तुहुसब हमरसङे रहबिही।
येसु पतरुसके कहल्कै, “यदी हम नै आबैतक उ जिबिते रहे कैहके हमर इक्छाछै त तोरा कि हैछौ? तु हमर पछा लाग।”
येसुके यि बातसे उ चेला नै मरतै कैहके बिस्बासीसबके बिचमे हल्ला फैलगेलै। बास्तममे येसु उ चेला नै मरतै कैहके नै कहने छेलै, महज “यदी हम नै आबैतक उ जिबिते रहे कैहके हमर इक्छाछै त तोरा कि हैछौ?” कैहके कहने छेलै।
उसब कहल्कै, “ए गालिलके लोक, तुसब कथिले अकास दिसन ताकैत ठडा भेलचिही? येसु त स्वरगमे गेलौ, जैहनङ अखुन स्वरगमे जाइत देखलिही, ओहिनङ ओकरा फेनो आबैत देखबिही।”
महज हरेक लोक आपन-आपन पालमे जीके उठतै। सबसे पहिने खिरिस्ट जीके उठतै, तकरबाद खिरिस्ट फेर एतै तखैन ओकरमे बिस्बास करैबला सबकोइ जीके उठतै।
तैखातिर परभु नै आबैतक ककरो दोस नै लगा। आब अन्हारमे घोसरल बातसब उ इजोतमे लाबतै आ लोकके मनभितरके बिचारसब परकट करतै। तब सबलोक परमेस्वरसे आपन परसन्सा पाबतै।
कथिलेकी परभु जखने हुकुमके अबाज देतै आ परमुख स्वरग दुतके अबाज आ तुरहीके अबाज हेतै तखने खिरिस्टमे बिस्बास कैरके मरलहा लोकसब सबसे पहिने जिबित भ्याके उठतै।
जै दिन परभु एतै, तै दिन उ आपन पबितर लोकसबके बिचमे आपन महिमा आ बिस्बास करैबला जम्मेलोकसे परसन्सा लेतै। ओते तुसब रहबिही, कथिलेत हमरसबके देल्हा गबाही पर तुसब बिस्बास करलिही।
ओहिनङे बहुतो लोकके पाप छमाके लेल खिरिस्ट एकेबेर बली भेलै। उ दोसर बेर एतै त, ओइ बखत पाप छमाके लेल नै एतै, महज ओकरासबके मुक्तीके लेल एतै जेसब ओकर बाट ताकैत असियाल रहतै।
महज परभुके नियाय करैबला दिन चोर एल जखा अनचेकेमे एतै। ओइ दिन सब अकास-मन्डल बरका अबाज कैरके बिलाजेतै, सुरुज, चान आ तरासब जैरके भस्म हेतै। पिरथिबी आ ओइमे भेल सब चिज नास हेतै।
हमर धियापुतासब, खिरिस्टमे रह आ जहिया उ परगट हेतौ, तहिया तोरासबके साहस मिल्तौ तब ओकर आबैबला ओइ दिन ओकर अगा लाजमे नै परबिही।
आदमसे सातम पुस्ताके हनोक यि लोकसबके बारेमे एहेन अगमबानी कहनेरहै, “देख, हजारो-हजार पबितर स्वरगदुतसब सङे परभु आबैछै।
देख, उ बादलमे आइबरहलछै आ हरेक लोक ओकरा देख्तै, उहोसब देख्तै जेसब ओकरा भालासे भोक्ने छेलै। सन्सारके सब जातीके लोक ओकर कारन बिलाप करतै। पक्का ओहिने हेतै। आमेन!
यि बातके गबाही दैबला कहैछै, “साँचोके हम जल्दिए आइबरहल चियौ।” आमेन। आबु, हे परभु येसु!