जब हमसब परभु-भोजके बाटी ल्याके परमेस्वरके धन्यबाद दैचियै, कि उ बाटीसे पियैचियै त हमसब खिरिस्टके लहुमे सहभागी नै भेलियै से? आ उ रोटी, जकरा हमसब तोइरके खेलियै, कि खिरिस्टके देहमे सहभागी नै भेलियै से?
ओह्या हमरासबके लया करारके सेबकसब बनैके लेल योग्य बनेल्कै। यि करार लिखीत बेबस्थाके नै महज पबितर आत्माके करार चियै। कथिलेकी पुरन्का लिखल बेबस्थाके करार त मिरतु लाबैछै, महज लया करारमे पबितर आत्मा त जिबन दैछै।