23 कथिलेत हम परभुसे जे पाबलियै, ओह्या तोरासबके सोइप देलियौ। अरथात जे रात परभु येसु पकराउ परलै, ओह्या रात येसु रोटी लेल्कै,
अखमिरी रोटी पाबैनके पहिन्का दिन चेलासब येसुलग एलै आ पुछल्कै, “अहाँके लेल निस्तार पाबैनके भोज हमसब कते तयार करब?”
“तोरासबके थाहे छौ कि आइके दुइ दिन बाद निस्तार पाबैन छै। ओहै समयमे हम मानबके बेटा कुरूसमे टाङैके लेल पकराएल जेबै।”
येसु पतरुसके कहल्कै, “साँचोके हम तोरा कहैचियौ, आइ रातके मुरगा डाँकैसे पहिने तु हमरा नै चिन्हैचियै कैहके तिन बेर इन्कार करबिही।”
हम तोरासबके आग्या करल सब बात मानैले ओकरासबके सिखा। देख, हम युगके अन्ततक सबदिन तोरासबके सङे चियौ।”
तकरबाद येसु बाटी लेल्कै आ परमेस्वरके धन्यबाद चरहाके कहल्कै, “यि ले आ तोरौरके सबकोइ आपनमे बाइटके पि।
जब हमसब हप्ताके पहिन्का दिनमे परभु-भोज खाइले जम्मा भेलियै। तब पावल बिहान सबेरे जाइके इक्छा करलाके कारन, उसबसङे बात-चित करैत-करैत अधा रात बित्लै।
जब हमसब परभु-भोजके बाटी ल्याके परमेस्वरके धन्यबाद दैचियै, कि उ बाटीसे पियैचियै त हमसब खिरिस्टके लहुमे सहभागी नै भेलियै से? आ उ रोटी, जकरा हमसब तोइरके खेलियै, कि खिरिस्टके देहमे सहभागी नै भेलियै से?
हम जे पाबलियै ओह्या सबसे मुख बिसयके रुपमे तोरासबके सोइप देलियौ, अरथात पबितर धरमसास्तर अनुसार खिरिस्ट अपनासबके पापके खातिर मरलै।
हम पावल, परेरित हैले लोकसबसे या कोनो लोकसे नै एलचियै, महज येसु खिरिस्टसे आ ओकरा मरलसे जियाइबला परमेस्वर पितासे पठालगेल चियै।
कथिलेत परभुके करल परतिग्याके उतराधिकार तुसब इनामके रुपमे पाबबिही कैहके थाहेछौ। तुसब परभु खिरिस्टके सेबा कैररहल चिही।
कथिलेकी हमसब परभु येसुसे पाबलाहा अधिरकारसे तोरासबके देल निरदेसन तुसब जान्बे करैचिही।