18 पहिल्का बात यि चियै कि जब तुसब मन्डलीमे एकसाथ भेला हैचिही, तोरासबके बिचमे बेमेल हैछौ कैहके हम सुन्ने चियौ। तै बातमे हम कुछ बिस्बासो करैचियौ।
कथिलेत तुसब अखुन्तो सन्सारके लोकसब जखा जिबन बिताबैचिही। यदि तोरासबके बिचमे डाह आ झगरा छौ त, कि तुसब सन्सारके औरो लोकसब जखा बेबहार नै करैचिही से?
बास्तममे तोरासबके बिचमे बेबिचार छौ से बात सुनैचियौ, एहेन बेबिचार त गैर-यहुदीयोसब नै करैछै। कथिलेत तोरासबमेसे एक गोरे आपने सतमहताइरके राखनेचिही।
यदि तोरासबमेसे एक-दोसरके बिचमे झगरा भेल छौ त, तुसब नियाइके लेल परमेस्वरके पबितर जनलग नै ज्याके बिस्बास नै करैबला लग जाइले कनङके साहस करेसक्तै?