1 जहिनङ हम खिरिस्टके देखासेखी करैचियै तहिनङ तुसब सेहो हमर देखासेखी कर।
हमर करल जखा कर। हम अपना खुस हैबला काम नै करलियै। महज सबकोइ मुक्ती पाबे कैहके सब तरहसे सबके भलाइ खोजैचियै।
तैखातिर हम तोरासबके बिन्ती करैचियौ कि, तुसब हमर देखासेखी कर।
हे भाइ-भैयासब तुसब हमर देखासेखी कर। हमसब तोरासबके लेल असल नमुना बनलियौ। आब ओहै नमुना अनुसार चलैबला लोकसबके पछा लाग।
तुसब हमरासबके आ परभुके देखासेखी करलिही, कथिलेकी सताबटमे सेहो तुसब पबितर आत्मासे देल सुसमाचार खुसिसे गरहन करलिही।
सहायता पाबैके हक नै चियै से बात नै, बल्की तोरासबके लेल एकटा सिख हेबे कैहके हमसब ओनङ करलियै।
तुसब कोढिया नै बन, महज एहैन लोक जखा बन, जे बिस्बास आ धिरजसे परतिग्या करल चिज पाबैछै।