27 यदि कोइ परभुमे बिस्बास नै करल लोक तोरासबके भोजमे नौता दैछौ आ जाइले मन लागैछौ त जो आ तोरा जे-जे खाइले दैछै, बिबेकके खातिर बिना सबाल कैरके खो।
आ सबसे बरका मोटगर खसी काट, अपनासब भोज खेबै आ खुसी मनाइबै।
यि देखके सब लोकसब गुदुर-फुसुर करे लाग्लै, “यि त पापीके घरमे मेजमान बनैले गेलै!”
मासुके दोकानमे कथी बेचैछै, बिबेकके खातिर कोनो सबाल नै कैरके खो।
तुसब पैढके बुझैले नै सकैबला बात हमसब तोरासबके नै लिखने चियौ। हमरा आसा छै, कि तुसब पुरा रुपसे बुझबिही।
हमसब सब किसिमके घोसैरके करैबला सरमके कामसब त्यागनेचियै। हमसब धुर्त काम नै करैचियै नै त परमेस्वरके बचनके गलत हिसाबसे परयोग करैचियै। महज परमेस्वरके सामने हमसब खिरिस्टके बारेमे सत बात मातरे बोलैचियै, ताकि कोनो लोकसबके मनमे हमसब छल करैचियै कैहके दोस लगाइले नै पाबे।
परभुके डर कथि चियै कैहके हमरासबके थाहछै, ओहैसे हमसब लोकसबके सम्झाबैके कोसिस करैचियै। हमसब के चियै कैहके परमेस्वरके निकसे थाहछै आ हमर जिबन तोरासबके अगा खुलस्तछौ कैहके हम आस करैचियै।