24 कोइ आपन मातरे भलाइ नै, बरु दोसरके सेहो भलाइ खोजे।
हमर करल जखा कर। हम अपना खुस हैबला काम नै करलियै। महज सबकोइ मुक्ती पाबे कैहके सब तरहसे सबके भलाइ खोजैचियै।
परेम हठी नै हैछै, नै जिद्दी हैछै। परेम आपने बारेमे मातरे नै सोचैछै, दिक्क नै मानैछै आ खराबीके हिसाब नै राखैछै।
आब हम तेसर बेर तोरासबलग आबैले तयार भेलचियौ आ हम तोरासबके लेल बोझ नै हेबौ। हम तोरासबसे पैसा-कौरी नै, महज तोरासबके चाहैचियौ। कथिलेत बाप-महताइरके लेल बेटा-बेटी नै महज बाप-महताइरके बेटा-बेटीके लेल धन-सम्पती जोग्याके राइखदैले परैछै।
औरो लोकसब त आपने धुनमे लागलछै, येसु खिरिस्टके बारेमे वास्ता करैबला कोनो लोक नै छै।