23 तोरासबमेसे कोइ-कोइ कहैचिही, “सब चिज करैले पाबैछै” महज सब चिजसे भलाइ नै हैछै। दोसर सब कहैछै, “सब चिज करैले पाबैछै” महज सब चिजसे फैदा नै हैछै।
यदि तु जे खाइचिही ओइसे तोहर आपने भाइके चित दुखैछौ त, तु आपन भाइके परेमे नै करैचिही। खिरिस्ट आपन परान देके बच्याल भाइ तोहर खाइबला चिजसे नास नै हेबे।
तहिनङे तुसब आत्मिक बरदानसबके खातिर एकदमसे इक्छा करलासे, उ बरदानसब बेसिसे परयोग कर। अनङ करबिही त मन्डलीके बिस्बासीसब आत्मिक तवरसे बलगर हेतै।
परमेस्वरके तु निकसे धन्यबाद देब्ही, महज ओइसे दोसर लोकके आत्मिक बिरधी नै करैछै।
हे हमर भाइ-भैयासब, आब हम कथी कहबौ? तुसब एकसाथ जम्मा हैचिही त कोइ भजन गाबैछै, कोइ सिक्छा दैछै, कोइ परमेस्वरसे परगट भेल बात कहैछै, कोइ आन भसा बोलैछै आ कोइ आन भसाके अरथ खोइलदैछै। यि सब बातसबसे मन्डलीके आत्मिक तवरसे बिरधी कराबैछै।
कोइ कहैछै, “सबकुछ करैके लेल हमरा अधिकार छै”, महज सब बात हमर लेल भलाइके नै छै। कहैले त हम्हु सकतियै, “सबकुछ करैके लेल हमरा अधिकार छै” महज हम ककरो दास नै बन्बै।
आब हम मुरुतिके चरह्याल खाइबला चिजके बारेमे कहैचियौ। अपनासब जान्बे करैचियै कि, अकर बारेमे अपनासब सङे ग्यान छै। ग्यान लोकके घमन्डी बनाबैछै महज परेम लोकके उन्नती कराबैछै।
महज तुसब होसियार रह, तोरासबके खाइ-पियैबला चिजसबके स्वतन्तरतासे बिस्बासमे कमजोरसबके लेल बाधाके कारन नै बने।
भ्यासकैछै, हमसब यि सब आपन बचाबके लेल करैचियै कैहके आपन मनमे बिचार करैचिही। महज एहेन नै छै! पिरियसब, हमसब परमेस्वरके अगा खिरिस्टमे बोलैचियै। यि सबकाम तोरासबके बलगर बनाइके लेल करैचियौ।
तोरासबके मुहसे खराब बात नै निक्ले, महज भलाइ करैबला आ मिठ बचन बोल ताकि सुनैयोबलासबके भलाइ हेबे।
ओहै लेल तुसब एक दोसरके उत्साह दहै आ बिस्बासमे बलगर बना, जनङ तुसब करैत आइबरहल चिही।
ओइसबके बनोतरी बात-कथा सबमे आ नै सकैबला बंसाबलीसबमे नै ओझराल रह कैहके आग्या दहै। कथिलेत एहेन बातसबसे बाद-बिबाद मातरे हैछै आ परमेस्वरमे बिस्बासके जिबन बिताइबलासबके कोनो फैदा नै करैछै।