5 कथिलेत परमेस्वर खिरिस्टमे हरतरहसे तोरासबके बोलिबचन आ ग्यानमे धनिक बनाइनेछौ।
तब उ सबगोरे पबितर आत्मासे भरलै आ पबितर आत्माके सक्तिसे उसब आन भसासबमे बोले लाग्लै।
इजराएलीसब पाप करलाके चल्ते सन्सारके लोकसब आसिस पाबल्कै। उसब मुक्तीके इन्कार करलाके चल्ते गैर-यहुदीसब मुक्ती पाबल्कै त सब इजराएलीसब पस्चाताप कैरके परमेस्वरमे बिस्बास करतै त औरो बेसिसे आसिस पाबतै।
हे हमर भाइ-भैयासब, हम जानैचियै कि तुसब असल चिही, सब परकारके ग्यानसे भरपुर आ एक-दोसरके सिक्छा दैले योग्यके चिही।
पबितर धरमसास्तरमे पहिने लिखल बातसब अपनासबके सिक्छा दैकेलेल छेलै। धरमसास्तरमे भेल बातसे अपनासबके सहैबला सक्ति आ हौसला दैछै ताकी अपनासबके आसा बनल रहे।
ओह्या पबितर आत्मा ककरो अचमके काम करैबला, ककरो अगमबानी बोलैबला, ककरो आत्मासब छुटयाबैबला, ककरो बहौत किसिमके भसासब बोलैबला आ ककरो भसासबके अरथ खोलैबला बरदान दैछै।
ककरो पबितर आत्मासे बुधिके बात बोलैबला, ककरो ओह्या पबितर आत्मा ग्यानके बात बोलैबला बरदान दैछै।
हमरसङे अगमबानी बोलैबला बरदान छै आ सब रहस आ सब किसिमके ग्यान बुझैले सक्बै आ पहार हटाबे सकैबला पुरा बिस्बास हमरसङे छै, महज हमरमे परेम नै छै त, हम किछो नै चियै।
परेमके कहियो अन्त नै हैछै। अगमबानीसब बितके जेतै, भसासब बन भ्याजेतै आ ग्यान हर्या जेतै।
हे हमर भाइ-भैयासब, आब हम कथी कहबौ? तुसब एकसाथ जम्मा हैचिही त कोइ भजन गाबैछै, कोइ सिक्छा दैछै, कोइ परमेस्वरसे परगट भेल बात कहैछै, कोइ आन भसा बोलैछै आ कोइ आन भसाके अरथ खोइलदैछै। यि सब बातसबसे मन्डलीके आत्मिक तवरसे बिरधी कराबैछै।
एहेन कमजोर बिस्बासी भाइ तोहर ग्यानके कारनसे नास हैछै, जकर खातिर खिरिस्ट मरलै।
“अन्हारमे इजोत चम्के” कहैबला परमेस्वरे हमरासबके हिरदयमे इजोत चमकाइनेछै। अहैलेल परमेस्वरके महिमा महान चियै कैहके हमसब जानैचियै। साँचोके उ महिमामय ग्यानके इजोत खिरिस्टके चेहरामेछै।
सोकमे रहितोपरभी हरसमय आनन्दमे रहैचियै। गरिब रहितोपरभी बहुतोके आत्मिकी रुपमे धनिक बनाबैचियै। कुछो नै रहितोपरभी हमरासबसङे सब चिज छै।
जहिनङे सब काममे तुसब बैढते जाइचिही, अरथात बिस्बासमे, बचनमे, ग्यानमे, जोसमे आ हमरासब परती परेममे, तहिनङे तुसब यि भेटी दैबला काममे सेहो बैढते जो।
तुसब हर बखत खुसी मनसे औरोके दैले सक कैहके परमेस्वर तोरासबके धनिक बनाइतौ। तोरासबके देल दान हमसब औरो मन्डलीसबमे बाटैके कारन बहुतो लोक परमेस्वरके धन्यबाद देतै।
हम अपनासबके परभु येसु खिरिस्टके महिमाके पिता, परमेस्वरके यि परथना करैचियै कि उ तोरासबके बुइध आ परकासके आत्मा देबे ताकी तुसब ओकरा असलसे चिन्हैले सके।
यि काम परमेस्वर अपनासबके येसु खिरिस्टमे करल असिम अनुगरह कतेक महान छै कैहके आबैबला सब दिनमे देखाइके लेल करल्कै।
खिरिस्टके पबितर जनसबमेसे हम सबसे तुच्छ चियै तैयो खिरिस्टके महान सम्पतीके सुसमाचार गैर-यहुदीसबके सुनाइबला बरदान परमेस्वर हमरा देल्कै।
हमरो खातिर परथना कर। जखुन हम बाजैके लेल आपन मुह खोल्बै तखुन परमेस्वर हमरा बचन देबे आ हम निडर भ्याके सुसमाचारके रहस दोसरके बुझ्हाबे सकी।
हमर परथना एह्या चियै, कि तुसब परेम आ ठिक-बेठिक छुटयाबैबला बुइधमे झन-झन परसस्त कैरके बैढते जाय,
ओकरेमे परमेस्वरके सब ग्यान आ बुइधके सारा सम्पतीके भन्डारछै।
आब त तुसब लया स्वभाब धारन करनेचिही। तुसब परमेस्वरके पुरा ग्यान पाबैले सक कैहके सिरिस्टीकरता आपन स्वरुपमे तोरासबके लया बन्यारहलछौ।
तोरासबमेसे बुधिमान आ बुझहैबला लोक के छै? उ आपन असल चालचलनसे बुइधके नमरतासे निक काम कैरके देखाबे।
महज अपनासबके परभु आ मुक्ती दैबला येसु खिरिस्टके अनुगरह आ ग्यानमे बरहैत जो। ओकर महिमा अखैन आ सबदिन हेबे। आमेन।