31 ओहैसे पबितर धरमसास्तरमे एहेन लिखल छै, “जे लोक घमन्ड करतै, से लोक परभुमे घमन्ड करे।”
यदि असल काम कैरके अबराहम धरमी ठहरतियै त, उ घमन्ड करैले सकतियै। महज परमेस्वरके अगा ओकरा घमन्ड करैबला कोनो ठामे नै छै।
हे हमर भाइ-भैयासब, तोरासबके भलाइके लेल हम आपने आ अपोल्लोसके उदाहरन द्याके यि सब बातसब लिख्नेचियौ, ताकि तुसब पबितर धरमसास्तर अनुसार जियैले सिख आ तुसब एक गोरेके पक्छ ल्याके दोसरके बिरोध कैरके घमन्डी नै हो।
पबितर धरमसास्तरमे एहेन लिखल छै, “जे कोइ घमन्ड करैछै त, उ परभुमे घमन्ड करे।”
सत हिसाबसे खतना करैबला त हम्हीसब चियै कथिलेत पबितर आत्मासे परमेस्वरके आराधना करैचियै आ खिरिस्ट येसुमे हमसब गर्ब करैचियै। हमसब बाहरके कोनो रितिथितीमे भरोसा नै करैचियै।