कथिलेत अहाँके देल सिक्छा हम ओइसबके देनेचियै आ उसब उ सुइकार करने छै। हम अहाँसे एलचियै कैहके उसब साँचोके बुझनेछै। तब हमरा अहै पठेलियै कैहके उसब बिस्बास करने छै।
कथिलेत सुसमाचारसे लोकके परमेस्वर कनङके धरमी बनाइतै से बात परकट करने छै। परमेस्वरके अगा धरमी ठहरैबला बात बिस्बाससे सुरु हैछै आ बिस्बासेमे पुरा हैछै। जनङ कि पबितर धरमसास्तरमे लिखलछै, “जे लोक बिस्बास दुवारा परमेस्वरके अगा धरमी ठहरतै, उ लोक जिबन पाबतै।”
हम खिरिस्टमे बिस्बास करल एक गोरे लोकके चिन्हैचियै, जे चौद बरिससे पहिने तेसर स्वरगमे उठ्यालगेलै। उ देहमे या बिना देहमे उठ्यालगेलै, से हम नै जानैचियै, उ परमेस्वर मातरे जानैछै।
येसु खिरिस्ट अपनासबके सब पापसबसे मुक्तीदैले आ सब खराबिसबसे छुटकारा दैले आपन परान निछावर करल्कै। उ यि चाहल्कै कि हमसब असल काममे उत्सुक हेबी आ ओकर अपने निज लोक हेबेसकी।
येसु खिरिस्ट वह्या चियै जे पानी आ लहुसे एलै। उ पानीसे मातरे नै महज पानी आ लहुसे एलै। यि बात सत छै कैहके पबितर आत्मा साक्छी छै, कथिलेकी पबितर आत्मा सत चियै।