28 अइ सन्सारमे आपनके महान ठानैबलासबके बेरथ बनाबैके लेल परमेस्वर निच आ तुच्छ ठहरल लोकसबके चुनल्कै,
पबितर धरमसास्तरमे एहेन लिखलछै “हम तोरा सन्सारके सब जातीके पुरखा बनाइने चियौ।” मरलसबके जिबन दैबला आ असतित्वमे नै भेल चिजके असतित्वमे लाबैबला परमेस्वरमे अबराहम बिस्बास करल्कै।
बुधिमान लोक कते छै? धरमगुरु कते छै? अइ जुगके तरक-बितरक करैबला कते छै? कि परमेस्वर यि सन्सारके बुइधके मुरुख नै कैरदेल्कै?
तैयो परिपक भेल बिस्बासीसबके बिचमे अपनासब ग्यान-गुनके बात करैचियै, महज अइ जुगके ग्यान या अइ जुगके सासकसबके ग्यान नै, जे बितके जेतै।
हम त मुरुख जखा भेलियै, महज तुहिसब हमरा एहेन करैले कर लगेलिही। बास्तममे तोरेसबके हमर पक्छमे निक बात बोलैले परतियौ, कथिलेत हम किछो नै छेलियै तैयो महान परेरितसबसे त हम कम नै चियै।
उ ब्यबस्था भङ करैबला लोक परकट हेतै। जकरा परभु येसु आपन मुहके एक साँसमे नास करतै। परभु येसुके आपन आगमनके चमकके तेजसे ओकरा नास करतै।
कथिलेत उ बेटा-बेटीसब लहु आ मासुके देह भेलासे येसु सेहो ओकरेसब जखा भ्याके एलै। उ आपनेसे मिरतु भोइगके मिरतुके सक्ती भेल सैतानके नास करल्कै।
एके घरिमे ओकर सब धन-सम्पैत सखाप भ्यागेलै।” जहादके कप्तानसब, यातरीसब, जहाद चलाइबलासब आ समुन्दरमे काम कैरके आपन गुजारा करैबलासब दुरे ठार भेलै।